
दरभंगा। भारतक जनगणना 2027 (दोसर चरण) केँ ल’ दरभंगा जिलामे प्रशासनिक तैयारी तेज क’ देल गेल अछि। एहि क्रममे रविदिन लहेरियासराय स्थित जिला परिषद सभागारमे नगरीय चार्ज अधिकारी आ ग्रामीण अपर चार्ज जनगणना अधिकारी सभक दोसर बैचकक दू दिवसीय प्रशिक्षण कार्यक्रम शुरू भेल।
कार्यक्रमक अध्यक्षता अपर जिला जनगणना अधिकारी-सह-जिला सांख्यिकी पदाधिकारी उदय नारायण प्रसाद कयलनि। एहि दौरान ओ अधिकारी सभकेँ संबोधित करैत जनगणनाक पहिल चरणमे कयल गेल काज पर संतोष व्यक्त कयलनि आ संबंधित अधिकारी तथा कर्मी सभक प्रति आभार प्रकट कयलनि।
ओ कहलनि जे जनगणनाक काज अत्यंत महत्वपूर्ण आ संवेदनशील जिम्मेदारी अछि। सभ अधिकारी पूरा गंभीरता, संवेदनशीलता आ निर्धारित समय-सीमाक भीतर जनगणना काज सुनिश्चित करथि। आंकड़ाक शुद्धता केँ जनगणनाक सफलता आधार बतबैत ओ कहलनि जे सही आंकड़ा भविष्यक योजनाकेँ उद्देश्यपरक आ प्रभावी बनबयमे महत्वपूर्ण भूमिका निभायत।
प्रशिक्षण कार्यक्रममे जनगणना निदेशालय, पटना सँ आएल प्रशिक्षक रोहित कुमार आ अमिताभ कुमार अधिकारी सभकेँ जनगणनासँ जुड़ल विभिन्न काजक बारीकीसँ जानकारी देलनि। प्रशिक्षक सभ जनगणना प्रक्रिया, निर्धारित जिम्मेदारी आ काजक सही निष्पादनक संबंधमे विस्तारसँ प्रशिक्षण देलनि।
एहि अवसर पर सहायक सांख्यिकी पदाधिकारी, दरभंगा देवनारायण महतो, मो. राजिक हुसैन सहित सभ नगरीय चार्ज अधिकारी, अपर चार्ज अधिकारी आ संबंधित कर्मी उपस्थित छलाह।