‘Heart Controller’ सँ वैश्विक EDM संगीतमे अपन पहचान बनेबाक लेल तैयार उर्वशी रौतेला

मुंबई : बॉलीवुड अभिनेत्री उर्वशी रौतेला आब इलेक्ट्रॉनिक डांस म्यूजिक (EDM) केर दुनियामे अपन आवाजक जादू बिखेरबाक लेल तैयार छथि। अपन नव रिकॉर्ड ‘Heart Controller’ क माध्यमसँ ओ पूर्ण-लंबाइक EDM रचनामे मुख्य गायिकाक रूपमे सामने आयल छथि। एहि प्रोजेक्टकेँ बॉलीवुड आ अंतरराष्ट्रीय इलेक्ट्रॉनिक संगीतक संगम दिस एकटा खास पहल मानल जा रहल अछि।

उर्वशी रौतेला कहैत छथि जे EDM संगीतक प्रति हुनकर आकर्षण बहुत पहिनेसँ रहल अछि। ओ एहि संगीत शैलीमे अपन अलग पहचान बनेबाक इच्छा रखैत छलीह। ‘Heart Controller’ क माध्यमसँ ओ अपन संगीत यात्राकेँ एकटा नव आयाम देबाक प्रयास कयलनि अछि।

भारतीय पहचान आ अंतरराष्ट्रीय संगीतक संगम

एहि रिकॉर्डक खास बात ई अछि जे एकरामे उर्वशी अपन नाम आ भारतीय सांस्कृतिक पहचानकेँ सेहो संगीतसँ जोड़बाक प्रयास कयने छथि। अभिनेत्री कहैत छथि जे गीतमे ‘उर्वशी’ आ ‘रौतेला’ नामकेँ भारतीय संस्कृति, परंपरा आ अपन व्यक्तिगत पहचानसँ जोड़ि कऽ प्रस्तुत कयल गेल अछि।

एहि प्रोजेक्टक निर्माणमे Oriental House के संग हॉलीवुडक प्रोड्यूसर Asln आ Timor Jana सेहो सहयोग कयने छथि। अंतरराष्ट्रीय संगीतकारसभक संग एहि सहयोगक माध्यमसँ उर्वशी इलेक्ट्रॉनिक संगीतक वैश्विक श्रोतासभ धरि पहुँचबाक दिशा मे आगू बढ़ि रहल छथि।

‘Heart Controller’ क संग उर्वशी रौतेलाक ई नव संगीत प्रयोग हुनकर करियरमे एकटा अलग अध्याय जोड़ैत अछि। आब देखबाक होयत जे बॉलीवुडक चमक-दमकसँ आगू बढ़ि EDM संगीतक दुनियामे हुनकर ई नव पहल अंतरराष्ट्रीय श्रोतासभक बीच कतेक लोकप्रियता हासिल करैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *