भूटानमे अडानी पावर आ DGPC मिलि बनाओत 770 मेगावाट के चामखारचू-I जलविद्युत परियोजना

थिम्फू/अहमदाबाद। भारतक प्रमुख निजी बिजली उत्पादक कंपनी अडानी पावर आ भूटानक सरकारी बिजली उत्पादन कंपनी ड्रुक ग्रीन पावर कॉरपोरेशन लिमिटेड (DGPC) 770 मेगावाट क्षमताक चामखारचू-I जलविद्युत परियोजना स्थापित करबाक लेल शेयरधारक समझौता (SHA) पर हस्ताक्षर कएने अछि। ई परियोजना भारत आ भूटानक बीच ऊर्जा क्षेत्रमे सहयोगकेँ नव गति देत।

समझौता हस्ताक्षर समारोहमे भूटानक प्रधानमंत्री ल्योनचेन दाशो शेरिंग तोबगे उपस्थित छलाह। कार्यक्रममे भूटानक वित्त मंत्री, ऊर्जा आ प्राकृतिक संसाधन मंत्रीक अतिरिक्त ड्रुक होल्डिंग एंड इन्वेस्टमेंट्स लिमिटेड (DHI), भूटान पावर कॉरपोरेशन लिमिटेड (BPC), DGPC बोर्ड, DGPC प्रबंधन आ अडानी पावरक प्रतिनिधि सहभागी भेलाह।

ई परियोजना दुनू कंपनीक बीच दोसर पैघ जलविद्युत सहयोग अछि। एहि सँ पहिने सितंबर 2025 मे 570 मेगावाट वांगचू जलविद्युत परियोजना लेल समझौता भेल छल। चामखारचू-I परियोजना मई 2025 मे अडानी समूह आ DGPC बीच भेल 5,000 मेगावाट जलविद्युत विकास संबंधी समझौता ज्ञापन (MoU) क व्यापक कार्यक्रमक हिस्सा अछि।

49:51 हिस्सेदारीक आधार पर होयत परियोजनाक विकास

चामखारचू-I जलविद्युत परियोजना भूटानक मध्य क्षेत्रक झेमगांग जिला मे चामखारचू नदी पर विकसित कएल जाएत। ई पीकिंग रन-ऑफ-द-रिवर परियोजना होयत आ एकरा Build, Own, Operate and Transfer (BOOT) मॉडल पर विकसित कएल जाएत।

परियोजनामे अडानी पावरक हिस्सेदारी 49 प्रतिशत, जखनकि DGPC क हिस्सेदारी 51 प्रतिशत रहत। वाणिज्यिक संचालन शुरू होयबाक तिथि (COD) सँ परियोजनाक रियायत अवधि 30 वर्षक होयत। निर्माण कार्य 2027 क पहिल छमाहीमे शुरू होयबाक संभावना अछि आ निर्माण शुरू भेलाक करीब छह वर्षक भीतर परियोजना चालू करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि।

सर्दीमे भूटानक बिजली जरूरत पूरा करबामे भेटत मदद

अडानी पावरक प्रबंध निदेशक अनिल सरदाना कहलनि जे चामखारचू जलविद्युत परियोजनाक माध्यम सँ भूटान सरकार आ DGPC संग साझेदारी मजबूत करबामे कंपनीकेँ प्रसन्नता अछि। हुनकर कहब छल जे दक्षिण एशियामे ऊर्जा संक्रमणकेँ गति देबामे जलविद्युतक महत्वपूर्ण भूमिका रहत।

सरदाना कहलनि जे परियोजना ऊर्जा सुरक्षा मजबूत करबा, कार्बन उत्सर्जनक तीव्रता कम करबा आ सतत विकासक साझा लक्ष्यकेँ आगाँ बढ़ेबामे महत्वपूर्ण योगदान देत। परियोजना सँ भूटानक सर्दीक समयमे बिजलीक अधिकतम मांग पूरा करबामे मदद भेटत, जखनकि गर्मीक महीनामे अतिरिक्त हरित बिजली भारत निर्यात कएल जा सकत।

DGPC क प्रबंध निदेशक दाशो छेवांग रिनजिन कहलनि जे ई साझेदारी भूटानक जलविद्युत विकास यात्रामे एकटा महत्वपूर्ण उपलब्धि अछि आ भूटान-भारतक दीर्घकालीन ऊर्जा साझेदारीकेँ आरो मजबूत करैत अछि। हुनकर अनुसार 770 मेगावाट चामखारचू-I परियोजना विशेष रूप सँ सर्दीमे भूटानक ऊर्जा सुरक्षा मजबूत करत आ अतिरिक्त स्वच्छ ऊर्जा भारत निर्यात करबाक अवसर प्रदान करत।

5,000 मेगावाटक कार्यक्रमक तहत आरो परियोजनाक संभावना

अडानी पावर आ DGPC व्यापक 5,000 मेगावाट जलविद्युत विकास कार्यक्रमक तहत अतिरिक्त जलविद्युत परियोजनाक संभावनाकेँ लगातार परखि रहल अछि। चामखारचू-I परियोजना सँ भूटानक स्वच्छ ऊर्जा उत्पादन क्षमता बढ़त आ भारत-भूटानक बीच क्षेत्रीय ऊर्जा सहयोगकेँ सेहो मजबूती भेटत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *