भाजपाक पूर्व राष्ट्रीय उपाध्यक्ष प्रभात झाक दोसर पुण्यतिथिपर संगोष्ठी, व्यक्तित्व आ कृतित्व पर भेल गंभीर विमर्श

नई दिल्ली। भारतीय जनता पार्टीक पूर्व राष्ट्रीय उपाध्यक्ष आ पूर्व राज्यसभा सांसद प्रभात झा केर दोसर पुण्यतिथिक अवसर पर रविदिन नई दिल्लीक हिंदी भवन मे हुनकर व्यक्तित्व आ कृतित्व पर एकटा संगोष्ठीक आयोजन कयल गेल। एहि कार्यक्रममे केंद्रीय जल शक्ति राज्यमंत्री राज भूषण चौधरी मुख्य अतिथिक रूपमे सहभागी बनलाह। ओ कहलनि जे प्रभात झाक विचार पीढ़ी-दर-पीढ़ी लोककेँ प्रेरणा दैत रहत। अपन विचार, लेखनी, संगठन क्षमता आ राष्ट्र समर्पित जीवनसँ ओ भारतीय जनता पार्टीकेँ सशक्त बनेबाक दिशा मे महत्वपूर्ण योगदान देलनि।

राज भूषण चौधरी कहलनि जे प्रभात झा केवल राजनेता नहि छलाह, बल्कि सजग पत्रकार, संवेदनशील लेखक, कुशल संगठनकर्ता आ राष्ट्रहितकेँ सर्वोपरि माननिहार कर्मयोगी छलाह। हुनकर व्यक्तित्वमे आत्मीयता आ विचारमे दृढ़ता केर अद्भुत समन्वय छल, जाहिसँ सार्वजनिक जीवनमे हुनका विशिष्ट पहचान भेटल।

सत्य आ संगठनक प्रति समर्पित छलाह प्रभात झा : रामबहादुर राय

कार्यक्रमक अध्यक्षता करैत वरिष्ठ पत्रकार आ इंदिरा गांधी राष्ट्रीय कला केंद्र केर अध्यक्ष रामबहादुर राय कहलनि जे प्रभात झा बहुआयामी व्यक्तित्वक धनी छलाह। सत्यक प्रति अटूट निष्ठा राखैत ओ संगठनात्मक मर्यादाक सेहो पूर्ण पालन करैत छलाह। उत्कृष्ट संपादकक रूपमे हुनकर भाषा पर असाधारण पकड़ छल।

रामबहादुर राय सुझाव देलनि जे प्रभात झाक स्मृतिमे एहि प्रकारक आयोजन निरंतर होइत रहबाक चाही। आगामी वर्षसँ हुनकर प्रिय विषयसभ पर स्मारक व्याख्यानक शुरुआत हो, जाहिसँ नव पीढ़ी हुनकर विचार आ लेखनीसँ प्रेरणा लऽ सकय।

स्पष्ट विचार आ विनम्र व्यक्तित्वक प्रतीक छलाह प्रभात झा

संगोष्ठीमे विशिष्ट अतिथिक रूपमे उपस्थित पाञ्चजन्य केर संपादक हितेश शंकर कहलनि जे प्रभात झा विचारक स्पष्टताक प्रतीक छलाह। राजनीति मे एहन व्यक्तित्व विरल भेटैत छथि, जे विचारक प्रति एतेक प्रतिबद्ध होथि। शक्ति भेटलाक बादो हुनकर विनम्रता आ सहज स्वभाव हुनका विशिष्ट बनबैत छल।

कमल संदेश पत्रिकाक संपादक शिव शक्ति नाथ बक्सी कहलनि जे प्रभात झा प्रचारसँ दूर रहि संगठनकेँ मजबूत करबामे विश्वास रखैत छलाह। मध्य प्रदेश आ दिल्लीमे संगठन विस्तारमे हुनकर योगदान उल्लेखनीय रहल।

छत्तीसगढ़क मुख्यमंत्रीक मीडिया सलाहकार पंकज कुमार झा कहलनि जे प्रभात झामे कार्यकर्तासभकेँ जोड़िकेँ संग लऽ चलबाक अद्भुत क्षमता छल। मध्य प्रदेश भाजपा मे संवाद प्रमुखक रूपमे हुनकर योगदान अत्यंत महत्वपूर्ण रहल।

दूटा पुस्तकक लोकार्पण

कार्यक्रमक दौरान अतिथिसभ संजीव सिन्हा द्वारा संपादित पुस्तक ‘प्रभात झा : व्यक्ति एवं कृतित्व’ तथा सुमित मिश्र लिखित ‘नवभारत का न्याय दर्शन’ केर लोकार्पण सेहो कयलनि।

कार्यक्रमक संचालन संजीव सिन्हा कएलनि, जबकि शरत झा धन्यवाद ज्ञापन प्रस्तुत कएलनि।

अनेक विशिष्ट व्यक्तित्वक उपस्थिति

एहि अवसर पर वरिष्ठ पत्रकार अवधेश कुमार, मनोज मिश्र, विधायक अभय वर्मा, भाजपा पूर्वांचल मोर्चा दिल्ली प्रदेश अध्यक्ष संतोष ओझा, विद्यानंद ठाकुर, तुष्मुल झा, अंजनी झा सहित समाज, पत्रकारिता आ राजनीति जगतक अनेक गणमान्य व्यक्तिसभ उपस्थित छलाह।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *