दुनियाक आ एशियाक सर्वोत्तम शहरमे राजस्थानक दबदबा, उदयपुर आ जयपुर केँ भेटल वैश्विक पहचान

जयपुर राजस्थान पर्यटन केँ अंतरराष्ट्रीय स्तर पर एकटा पैघ उपलब्धि भेटल अछि। दुनियाक प्रतिष्ठित पर्यटन पत्रिका ‘ट्रैवल प्लस लीजर’ द्वारा जारी 2026 वर्ल्ड्स बेस्ट अवॉर्ड्स मे राजस्थानक दू प्रमुख पर्यटन शहर उदयपुरजयपुर दुनियाक संगहि एशियाक सर्वोत्तम शहरक सूची मे अपन जगह बनौने अछि। एहि उपलब्धिकेँ राजस्थान पर्यटनक बढ़ैत वैश्विक स्वीकार्यता आ मजबूत होइत अंतरराष्ट्रीय पहचानक प्रतीक मानल जा रहल अछि।

दुनियाक सर्वोत्तम शहरक सूची मे उदयपुर 12म स्थानजयपुर 16म स्थान पर रहल। ओतहि एशियाक 15 सर्वोत्तम शहर मे उदयपुर केँ आठम आ जयपुर केँ दसम स्थान प्राप्त भेल।

एहि अवसर पर राजस्थान पर्यटन आयुक्त रूकमणी रियाड़ कहलनि जे दुनियाक आ एशियाक श्रेष्ठ शहरक सूची मे उदयपुर आ जयपुरक शामिल होनाइ सम्पूर्ण राजस्थान लेल गौरवक विषय अछि। हुनका अनुसार ई सम्मान राज्यक समृद्ध सांस्कृतिक विरासत, उत्कृष्ट आतिथ्य, ऐतिहासिक धरोहर आ पर्यटन क्षेत्र सँ जुड़ल सभ हितधारकक सामूहिक प्रयासक परिणाम अछि।

हुनका कहलनि जे मुख्यमंत्री भजनलाल शर्मा केर नेतृत्व आ उपमुख्यमंत्री एवं पर्यटन मंत्री दिया कुमारी केर मार्गदर्शन मे राज्य सरकार राजस्थान केँ वैश्विक पर्यटन मानचित्र पर आरो सशक्त बनाबय लेल निरंतर प्रयासरत अछि। एहि उपलब्धि सँ राज्यक अंतरराष्ट्रीय पहचान मजबूत होएत, विदेशी पर्यटकक संख्या बढ़त, पर्यटन निवेश मे वृद्धि होएत आ रोजगारक नव अवसर सेहो सृजित हेत।

ट्रैवल प्लस लीजर‘ केर वार्षिक रैंकिंग दुनियाभरक यात्री सभक अनुभव आ मतदानक आधार पर तैयार कयल जाइत अछि। एहि मे शहरक ऐतिहासिक धरोहर, सांस्कृतिक पहचान, पर्यटन आकर्षण, स्थानीय भोजन, आतिथ्य, भ्रमण अनुभव, खरीदारी, स्वच्छता आ पर्यटक संतुष्टिक आधार पर मूल्यांकन कयल जाइत अछि।

एहि वर्ष दुनियाभरक 2.07 लाख सँ बेसी पाठक मतदान मे भाग लेलनि आ 10 हजार सँ बेसी शहर, होटल, रिसॉर्ट, क्रूज, एयरलाइन आ पर्यटन अनुभव केर मूल्यांकन कयल गेल। पर्यटन जगत मे एहि पुरस्कार केँ अत्यंत प्रतिष्ठित अंतरराष्ट्रीय सम्मान मानल जाइत अछि।

पर्यटन विशेषज्ञ सभक मानब अछि जे दुनियाक आ एशियाक दुनू सूची मे एक संग स्थान प्राप्त करब कोनो पर्यटन गंतव्य लेल असाधारण उपलब्धि अछि। एहि सँ वैश्विक विश्वसनीयता बढ़ैत अछि, विदेशी पर्यटकक भरोसा मजबूत होइत अछि, पर्यटन निवेश केँ गति भेटैत अछि आ होटल उद्योग, हस्तशिल्प, परिवहन, स्थानीय कारोबार तथा पर्यटन आधारित रोजगार पर सकारात्मक प्रभाव पड़ैत अछि।

उदयपुर अपन मनोरम झील, भव्य राजमहल, प्राकृतिक सौंदर्य आ शाही आतिथ्य लेल विश्वप्रसिद्ध अछि। दोसर दिस विश्व धरोहर शहर जयपुर अपन गुलाबी स्थापत्य शैली, आमेर किला, हवा महल, जंतर-मंतर, सिटी पैलेस, पारंपरिक बाजार, हस्तशिल्प आ समृद्ध सांस्कृतिक विरासतक कारण दुनियाभरक पर्यटकक प्रमुख पसंद बनल अछि।

उल्लेखनीय अछि जे राजस्थान सरकार पछिला किछु वर्ष सँ विदेश मे पर्यटन प्रचार पर विशेष जोर दैत आबि रहल अछि। अंतरराष्ट्रीय पर्यटन प्रदर्शनी, रोड शो, निवेशक सम्मेलन आ सांस्कृतिक कार्यक्रमक माध्यम सँ राज्यक विरासत, संस्कृति, वन्यजीव, धार्मिक आ ग्रामीण पर्यटनक व्यापक प्रचार-प्रसार कयल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *