विद्यापति गीत

आब बहुत कम सुनल जाइत अछि आ आधुनिकता के चकाचौंध मे ओझरायल नव पीढ़ी शायद अहि स अवगतो नहि होयत…..
जनम होअए जनु,जआं पुनि होइ।
जुबती भए जनमए जनु कोई।।
होइए जुबती जनु हो रसमंति।
रसओ बुझए जनु हो कुलमंति।।
निधन मांगओं बिहि एक पए तोहि।
थिरता दिहह अबसानहु मोहि।।
मिलओ सामि नागर रसधार।
परबस जन होअ हमर पिआर।।
परबस होइअ बुझिह बिचारि।
पाए बिचार हार कओन नारि।।
भनइ विद्यापति अछ परकार।
दंद-समुद होअ जिब दए पार।।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *