आरा मे 24 घंटासँ चलि रहल हाई-वोल्टेज ड्रामाक अंत

आरा। भोजपुर जिलाक आरा स्थित एकटा गाम मे पुलिस आ युवक भरत तिवारीक बीच करीब 24 घंटासँ चलि रहल तनावपूर्ण घटनाक्रमक अंत आखिरकार गिरफ्तारीक संग भऽ गेल। पुलिसक अनुसार, भरत तिवारी हथियारक संग लगातार 24 घंटा धरि डटल छल आ पुलिस केँ चुनौती दैत रहल।

सूत्रक अनुसार, युवक मानसिक रूप सँ अस्वस्थ बताओल जा रहल छल। एहि कारण पुलिस शुरूआत मे बल प्रयोगक बदला ओकरा समझा-बुझा कऽ शांतिपूर्ण ढंग सँ आत्मसमर्पण कराबयक प्रयास कएने छल।

मंगलदिन सँ शुरू भेल एहि घटनाक्रम मे पुलिस काफी संयम बरतलक। मुदा बुधदिन जखन पैघ संख्यामे पुलिस बल घटनास्थल पर पहुँचल, तखन युवक द्वारा कथित रूप सँ फायरिंग शुरू कएल गेल। जवाबी कार्रवाई मे ओकर पैर आ जांघ मे गोली लागल, जाहिक बाद पुलिस ओकरा गिरफ्तार कऽ इलाज लेल अस्पताल पठा देलक।

एहि पूरा घटनाक्रमक वीडियो सोशल मीडिया पर तेजी सँ वायरल भऽ रहल अछि। खास बात ई रहल जे मुठभेड़क दौरान सेहो युवक मोबाइल सँ वीडियो बनबैत देखल गेल।

एहि घटनासँ फेर एक बेर ई सवाल उठल अछि जे मानसिक रूप सँ अस्वस्थ व्यक्तिसभ सँ जुड़ल मामला मे परिवार, समाज आ प्रशासनक भूमिका कतेक महत्वपूर्ण होइत अछि। राहतक बात ई अछि जे युवक जीवित अछि आ अस्पताल मे ओकर इलाज जारी अछि।

पुलिस मामला केर जांच करि रहल अछि आ घटनाक्रम सँ जुड़ल सभ पहलू पर नजरि राखल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *