मैथिली बाल कवि-कथाकार सम्मेलन में गूंजल बाल प्रतिभाक लोकध्वनि, नई पीढ़ी देखौलक मैथिली साहित्यक उज्ज्वल भविष्य

नई दिल्ली। मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम) द्वारा शनिवार कें नई दिल्ली स्थित संस्कार भारती सभागार में मैथिली बाल कवि-कथाकार सम्मेलनक आयोजन कएल गेल। कार्यक्रमक शुभारंभ दीप प्रज्वलन आ जय-जय भैरवी गीतक सामूहिक प्रस्तुति सँ भेल।

सम्मेलन में कुल 20 गोट मैथिली बाल कवि आ कथाकार सहभागी बनलाह। एहि अवसर पर प्रांजल कर्ण, जायसी झा, सृष्टि, यज्ञेश नंदन दत्त, समृद्धि पाठक, सानवी पाठक, सुकृति सिन्हा, अंशिका, सानिध्या झा, अनन्या पाठक, प्राची मिश्रा, हर्ष मिश्रा, वैष्णवी मिश्रा, शुभ्रांगी झा, कुसुमांगी झा, अयांश दास, शाम्भवी झा, आकृति झा आ चिराग झा अपन-अपन मैथिली रचना प्रस्तुत कऽ उपस्थित श्रोतासभक मन मोहि लेलनि।

बाल रचनाकारसभक कविता, कथा आ गीत में राष्ट्रप्रेम, मिथिलाप्रेम, सामाजिक चेतना, लैंगिक संवेदनशीलता, प्रकृति संरक्षण, शिक्षा आ सांस्कृतिक मूल्यक सुंदर अभिव्यक्ति देखए लेल भेटल। श्रोतासभ एहि रचनाक रसास्वादन कऽ नव पीढ़ीक साहित्यिक प्रतिभाक मुक्तकंठ सँ सराहना कएलनि।

कार्यक्रमक मुख्य अतिथि साहित्य अकादेमी बाल साहित्य पुरस्कार विजेता वैद्यनाथ झा कहलनि जे एहि सम्मेलन में आबि कऽ एहन अनुभूति भेल जेना सम्पूर्ण मिथिला एकहि मंच पर उपस्थित भऽ गेल हो। ओ कहलनि जे बाल रचनाकारसभ अपन रचनामे मिथिलाक लोकजीवन, संस्कार, परंपरा, रीति-रिवाज आ पर्व-त्योहारक सजीव चित्रण कएलनि, जे अत्यंत प्रशंसनीय अछि।

विशिष्ट अतिथि साहित्य अकादेमी बाल साहित्य पुरस्कार विजेता मुन्नी कामत कहलनि जे बाल मैथिली कवि-कथाकार सम्मेलनक आयोजन कऽ मैथिली साहित्य महासभा अत्यंत महत्वपूर्ण आ प्रेरणादायक काज कएलक अछि। एहि प्रकारक आयोजन सँ नव पीढ़ी मैथिली भाषा आ साहित्य सँ जुड़त।

कार्यक्रमक आरंभ में मैथिली साहित्य महासभाक अध्यक्ष हेमंत कुमार झा संस्था परिचय दैत कहलनि जे मैसाम वर्ष 2015 सँ निरंतर मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृतिक संरक्षण-संवर्धन में सक्रिय भूमिका निभा रहल अछि। ओ जानकारी देलनि जे संस्था द्वारा प्रतिवर्ष मैसाम सम्मान आ युवा सम्मान प्रदान कएल जाइत अछि, आ आगामी वर्ष सँ मैसाम बाल साहित्य सम्मान सेहो शुरू कएल जाएत।

एहि अवसर पर कवयित्री मंजूषा झाक नव प्रकाशित पुस्तक *‘स्वर्गक सीढ़ी मिथिला’*क लोकार्पण सेहो कएल गेल।

कार्यक्रमक संचालन मैसाम सदस्य काजल चौधरी द्वारा कएल गेल, जबकि धन्यवाद ज्ञापन कोषाध्यक्ष सरोज झा प्रस्तुत कएलनि। सम्मेलनक संयोजन प्रभा झा आ अनीता मिश्रा द्वारा कएल गेल।

कार्यक्रम में मैसामक उपाध्यक्ष निवेदिता झा मिश्रा, महासचिव अरुण कुमार मिश्र आ आशीष नीरज, सचिव राहुल वत्स, कविता पाठक, संजय कुमार झा, विशेष आमंत्रित सदस्य राहुल झा, तथा सदस्य संजीव सिन्हा, तपन झा, सुबोध झा, अखिलेश कुमार मिश्र, सुधा ठाकुर, संजीव कुमार झा, शुभ्रा झा आ संतोष चौधरी सहित बड़ी संख्या में साहित्यकार, साहित्यप्रेमी आ अभिभावक उपस्थित छलाह।

सम्मेलन मैथिली भाषाक नव पीढ़ीक प्रतिभा कें प्रोत्साहित करबाक दिशा में एक महत्वपूर्ण पहल साबित भेल, जाहि सँ मैथिली साहित्यक उज्ज्वल भविष्यक स्पष्ट झलक देखए लेल भेटल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *