
नई दिल्ली, 14 जून 2026। सामाजिक आ मानवीय सेवा क्षेत्रक अग्रणी संस्था हमरो स्वाभिमान ट्रस्ट दिल्ली सरकार द्वारा संचालित यमुना स्वच्छता अभियान मे आरएसएस पर्यावरण मंचक सहयोग सँ सक्रिय सहभागिता दर्ज करौलक। एहि क्रममे ट्रस्टक सम्पूर्ण टोली दिल्लीस्थित यमुना नदीक पवित्र तट राम घाट पर बृहत् स्वच्छता अभियान चलौलक।
पर्यावरण संरक्षण आ सामाजिक दायित्वक प्रति अपन प्रतिबद्धता देखबैत ट्रस्टक पदाधिकारी, सदस्य आ स्वयंसेवक सभ भोरहिसँ उत्साहपूर्वक अभियानमे जुटल छलाह। अभियानक दौरान घाट क्षेत्रमे बिखरल प्लास्टिक कचरा, पुरान वस्त्र तथा अन्य परित्यक्त सामग्री सभकेँ एकत्र कऽ उचित ढंग सँ निष्पादन कएल गेल।
दिल्लीक मुख्यमंत्री रेखा गुप्ता केर आह्वान पर शुरू कएल गेल एहि मेगा यमुना स्वच्छता अभियानमे 500 सँ अधिक सामाजिक आ स्वयंसेवी संस्था सभ भाग लेलनि। हमरो स्वाभिमान ट्रस्ट एहि अभियानमे सक्रिय भूमिका निभाबैत पर्यावरण संरक्षण आ सामाजिक जागरूकता बढ़ेबाक प्रति अपन प्रतिबद्धता फेर दोहरौलक।
अभियानक सफल समापनक बाद ट्रस्टक प्रमुख नेतृत्वकर्ता प्रेम क्षेत्री, अनीता ज्ञावली आ राकेश प्रधान कार्यक्रमकेँ सफल बनेबाक लेल अपन समय, श्रम आ सहयोग देनिहार सभ स्वयंसेवक, समर्थक आ सदस्यक प्रति हार्दिक धन्यवाद आ आभार व्यक्त कएलनि।
ट्रस्ट नेतृत्वक कहब छल जे यमुना नदीक स्वच्छता बनौने रखब केवल नागरिक दायित्व नहि, बल्कि भावी पीढ़ीक लेल सुरक्षित आ स्वच्छ पर्यावरण सुनिश्चित करबाक सामूहिक संकल्प सेहो अछि।
ट्रस्ट एहि अवसर पर घोषणा कएलक जे आगामी दिनमे दिल्ली क्षेत्रमे वृक्षारोपण अभियान, पर्यावरण संरक्षण कार्यक्रम तथा “ऑपरेशन शुद्धि” जेकाँ सामाजिक पहलकेँ आर व्यापक रूपमे चलाओल जाएत, जाहिसँ स्वच्छ, हरित आ जागरूक समाजक निर्माण कएल जा सकय।