‘अल्फा’क टीजर पर सोशल मीडिया में तेज बहस, दर्शक सभक प्रतिक्रिया चर्चा में

मुंबई। यशराज फिल्म्स (YRF) केर आगामी स्पाई-थ्रिलर फिल्म ‘अल्फा’ केर टीजर जारी होएला के बाद सोशल मीडिया पर दर्शक सभक बीच जोरदार चर्चा शुरू भऽ गेल अछि। फिल्म में अभिनेत्री आलिया भट्ट आ अभिनेता बॉबी देओल प्रमुख भूमिका में छथि। टीजर सामने अबैतहि फिल्मक कहानी, पात्र सभ आ प्रस्तुति शैली के लऽ कए विभिन्न प्रतिक्रिया देखल जा रहल अछि।

सोशल मीडिया पर किछु दर्शक टीजरक एक दृश्य पर विशेष चर्चा कऽ रहल छथि, जाहि में बॉबी देओलक पात्र अपन बेटी संग एक प्रतीकात्मक चिन्हक संबंध में बातचीत करैत नजर अबैत छथि। किछु यूजर सभ एहि दृश्य के रोचक बतौने छथि, तऽ किछु लोक एकरा लऽ सवाल सेहो उठा रहल छथि।

फिल्म में आलिया भट्टक पात्रक नाम ‘सीता’ राखल गेल अछि। एहि नाम आ पात्रक प्रस्तुति के लऽ कए सेहो सोशल मीडिया पर अलग-अलग मत सामने आबि रहल अछि। किछु दर्शक एकरा फिल्मक कथा संग जोड़ि कऽ देखैत छथि, जबकि आन लोक एकर प्रतीकात्मक अर्थ पर चर्चा कऽ रहल छथि।

फिल्म उद्योगक जानकारक अनुसार, ‘अल्फा’ यशराज स्पाई यूनिवर्सक महत्वपूर्ण परियोजना मानल जा रहल अछि। टीजर रिलीज भेला के बाद समर्थक आ आलोचक दुनू पक्षक प्रतिक्रिया देखबाक लेल भेटि रहल अछि। एक वर्ग फिल्मक एक्शन आ स्टारकास्ट के सराहना कऽ रहल अछि, तऽ दोसर वर्ग टीजरक किछु दृश्य आ कथानक प्रस्तुति पर सवाल उठा रहल अछि।

सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म पर फिल्म संबंधी मीम, समीक्षा आ प्रतिक्रिया तेजी सँ वायरल भऽ रहल अछि। अनेक दर्शक फिल्म रिलीज होएबाक प्रतीक्षा करैत अपन-अपन अनुमान साझा कऽ रहल छथि।

फिल्म समीक्षकक मानब अछि जे टीजर पर चलि रहल बहस सँ स्पष्ट अछि जे ‘अल्फा’ रिलीज सँ पहिने दर्शक सभक ध्यान आकर्षित करए में सफल रहल अछि। आब देखबाक बात रहत जे फिल्म रिलीज भेला पर दर्शक आ बॉक्स ऑफिस पर एकरा केहन प्रतिक्रिया भेटैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *