एआई तकनीक सँ सिनेमा निर्माणक प्रशिक्षण देत व्हिसलिंग वुड्स, सुभाष घईक पैघ पहल

मुंबई। मनोरंजन उद्योगमे रचनात्मकता आ अत्याधुनिक तकनीकक संगमक एकटा नव अध्याय शुरू भेल अछि। भारतक अग्रणी फिल्म, संचार आ क्रिएटिव आर्ट्स संस्थान व्हिसलिंग वुड्स इंटरनेशनल आ एआई वीडियो प्लेटफॉर्म इनवीडियो मिलिकए फिल्मसिटी परिसर, मुंबईमे अत्याधुनिक व्हिसलिंग वुड्स इंटरनेशनल–इनवीडियो एआई लैब केर शुभारंभ कएलक अछि। एहि पहलसँ छात्र-छात्राकेँ आर्टिफिशियल इंटेलिजेंस (एआई) आधारित फिल्म निर्माण आ कंटेंट क्रिएशनक नवीनतम तकनीक सीखबाक अवसर भेटत।

नव स्थापित एहि लैबक माध्यमसँ विद्यार्थीसभकेँ इनवीडियोक उन्नत एआई टूल्स आ विशेष रूपसँ ओकर एआई फिल्ममेकिंग एजेंट ‘एजेंट वन’ केर उपयोग करबाक प्रशिक्षण देल जाएत। एकरा माध्यमसँ नव पीढ़ीक क्रिएटर्स अपन कल्पनाशक्ति आ रचनात्मक सोचकेँ नव आयाम दैत कहानी कहबाक अभिनव तरीका विकसित कए सकताह।

व्हिसलिंग वुड्स इंटरनेशनलक संस्थापक आ अध्यक्ष सुभाष घई कहलनि, “हम सभ सदिखन मानैत रहल छी जे तकनीक रचनात्मकताक सहयोगी होइत अछि, ओकर विकल्प नहि। छात्रसभ लेल आवश्यक अछि जे ओ नव तकनीककेँ अपनाबथि आ अपन कल्पना, भावना आ मौलिकताकेँ आरो सशक्त बनाबथि।”

ओतहि, इनवीडियो एआईक संस्थापक आ मुख्य कार्यकारी अधिकारी संकेत शाह कहलनि, “एआई फिल्म निर्माता सभ लेल एकटा अत्यंत शक्तिशाली नव उपकरण अछि। ई लैब अगिला पीढ़ीक कहानीकारसभकेँ नव संभावना संग पारंपरिक रचनात्मक मूल्यक संतुलन बनाबय सिखाओत।”

ई साझेदारी एहि विश्वासकेँ मजबूती दैत अछि जे भविष्यक सफल क्रिएटर्स ओहि लोकनि बनताह, जे मानवीय रचनात्मकता आ एआई तकनीकक बीच सही तालमेल स्थापित कए सकताह। विशेषज्ञक मानब अछि जे एहि पहलसँ भारतीय फिल्म आ डिजिटल कंटेंट उद्योगमे नव प्रतिभाक विकासकेँ गति भेटत आ छात्रसभ वैश्विक स्तरक तकनीकसँ परिचित भऽ सकताह।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *