
मधुबनी/कोलकाता। बंगवासी मिथिला समाज समिति, कोलकाता द्वारा आगामी 7 जून 2026 कऽ आयोजित होमऽ बला “मिथिला महोत्सव 2026” कऽ तैयारी जोर-शोर सँ चलि रहल अछि। समिति अध्यक्ष धनंजय ठाकुरक नेतृत्व मे आयोजित एहि प्रतिष्ठित सांस्कृतिक कार्यक्रम मे देशभरिक मिथिला आ मैथिली संस्कृति सँ जुड़ल विशिष्ट व्यक्तित्व, कलाकार आ समाजसेवी लोकनिक सहभागिताक संभावना अछि।
महोत्सवक उद्घाटन आ दीप प्रज्वलन समारोह लेल विभिन्न सांसद आ विशिष्ट अतिथि सभक संग लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) कऽ युवा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष आ पार्टी प्रवक्ता डॉ. विभय कुमार झा केँ सेहो विशेष रूप सँ आमंत्रित कएल गेल अछि। समिति द्वारा देल गेल ई आमंत्रण मिथिला समाज लेल गौरव आ सम्मानक विषय मानल जा रहल अछि।
डॉ. विभय कुमार झा विगत एक दशक सँ अपन सामाजिक संस्था “अभ्युदय” कऽ माध्यम सँ शिक्षा, संस्कृति आ सामाजिक उत्थानक क्षेत्र मे सक्रिय भूमिका निभा रहल छथि। एकर अतिरिक्त पछिला किछु वर्षसभ सँ ओ राजनीतिक क्षेत्र मे सेहो सक्रिय रहि समाज आ युवावर्गक मुद्दा सभ केँ प्रमुखता सँ उठबैत आबि रहल छथि।
समितिक पदाधिकारी सभक अनुसार, डॉ. झा केँ कार्यक्रम मे शामिल होबाक निमंत्रण लगभग छह मास पूर्वहि पठा देल गेल छल। हुनकर सहभागिता सुनिश्चित करबाक लेल लगातार समन्वय सेहो कएल जा रहल छल।
समिति द्वारा जनाओल गेल अछि जे एहि वर्षक मिथिला महोत्सव अनेक दृष्टि सँ विशेष होयत। कार्यक्रमक मुख्य उद्देश्य पश्चिम बंगाल, विशेष रूप सँ कोलकाता मे रहनिहार मैथिली कलाकार आ प्रतिभा सभ केँ एक सशक्त मंच प्रदान करब अछि, जाहि सँ हुनकर कला, संस्कृति आ लोक परंपरा केँ व्यापक पहचान भेटि सकय।
मिथिला महोत्सव 2026 मे पश्चिम बंगालक अतिरिक्त देशक विभिन्न राज्यसभ सँ मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृति प्रेमी लोकनि पैघ संख्या मे भाग लेबाक लेल आबि रहल छथि। आयोजन समिति कऽ मानब अछि जे ई महोत्सव मिथिलाक समृद्ध सांस्कृतिक धरोहर केँ नव पीढ़ी धरि पहुँचाबय मे महत्वपूर्ण भूमिका निभायत आ देश-विदेशक मिथिलावासी सभ केँ एक सूत्र मे जोड़बाक माध्यम बनत।
समिति अध्यक्ष धनंजय ठाकुर विश्वास व्यक्त कयलनि जे एहि वर्षक आयोजन सांस्कृतिक दृष्टि सँ ऐतिहासिक आ स्मरणीय सिद्ध होयत। हुनक अनुसार ई महोत्सव मिथिलाक कला, साहित्य, संगीत आ लोक परंपरा केँ राष्ट्रीय स्तर पर नव पहचान देबाक दिशा मे महत्वपूर्ण योगदान देत।