“सामाजिक सरोकार पत्रकारिता सम्मान” सँ सम्मानित भेलाह कृष्ण मोहन झा

नई दिल्ली: देशक वरिष्ठ पत्रकार, लेखक, मीडिया विश्लेषक आ सामाजिक चिंतक कृष्ण मोहन झा केँ जनपक्षधर पत्रकारिता, वैचारिक लेखन आ सामाजिक सरोकार सँ जुड़ल विषयसभ पर दीर्घकालीन योगदान लेल प्रतिष्ठित “सामाजिक सरोकार पत्रकारिता सम्मान” सँ सम्मानित कएल गेल अछि। ई सम्मान भाजपा केर वरिष्ठ नेता आ पूर्व सांसद रामचंद्र जांगड़ा द्वारा नई दिल्ली स्थित इंडिया इंटरनेशनल सेंटर मे आयोजित आईसीसीआई एजुकेशन कॉन्क्लेव 2026 मे प्रदान कएल गेल।

उल्लेखनीय अछि जे हालहि मे कृष्ण मोहन झा केँ “भारतीय पत्रकारिता रत्न” सम्मान सँ सेहो सम्मानित कएल गेल छल। एक सप्ताहक भीतर भेटल लगातार दू राष्ट्रीय सम्मान सँ हुनकर पत्रकारिता यात्रा केँ नव ऊँचाई भेटल अछि।

कृष्ण मोहन झा तीन दशक सँ बेसी समय सँ पत्रकारिता क्षेत्र मे सक्रिय छथि। ओ वर्ष 1995 मे देशबंधु समाचार पत्र सँ अपन पत्रकारिता जीवनक शुरुआत कएने छलाह। तत्पश्चात अमृत संदेश, जनसत्ता समूह सहित कई प्रतिष्ठित मीडिया संस्थानमे कार्य करैत अपन अलग पहचान बनौलनि।

वर्ष 2000 मे ओ मंडला जिलासँ “मंडला समाचार” नामक स्थानीय टीवी चैनलक स्थापना कए क्षेत्रीय इलेक्ट्रॉनिक मीडिया मे नव अध्याय लिखलनि। सीमित संसाधनक बावजूद ई पहल मध्यप्रदेशक सफल स्थानीय मीडिया प्रयाससभ मे गिनल जाइत अछि।

बादमे ओ राष्ट्रीय स्तरक मीडिया संस्थानसभ सँ जुड़ि चैनल नंबर-1 न्यूज नेटवर्क मे मध्यप्रदेश, छत्तीसगढ़ आ राजस्थानक प्रमुखक रूपमे कार्य कएलनि। एकरा अतिरिक्त सहारा समय, स्वदेश न्यूज आ अन्य राष्ट्रीय-क्षेत्रीय मीडिया मंचसभ पर संपादकीय आ परामर्शदात्री भूमिका निभौलनि। वर्तमानमे ओ स्वदेश न्यूज सँ सलाहकार संपादकक रूपमे जुड़ल छथि आ डिजिटल प्लेटफॉर्म NewsFest केर माध्यम सँ सक्रिय पत्रकारिता कए रहल छथि।

पत्रकारिता संग-संग कृष्ण मोहन झा वैचारिक लेखनमे सेहो विशेष पहचान रखने छथि। राष्ट्रवाद, भारतीय संस्कृति, शिक्षा, राजनीति आ सामाजिक चेतना जेकाँ विषय पर हुनकर सैकड़ों लेख देशभरक समाचार पत्र-पत्रिकामे प्रकाशित भ’ चुकल अछि।

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पर आधारित हुनकर पुस्तक “महानायक मोदी” आ “यशस्वी मोदी” पाठकसभ बीच चर्चित रहल अछि। जबकि राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघक सरसंघचालक डॉ. मोहन भागवत केर विचार पर आधारित हुनकर आगामी पुस्तक “डॉ. मोहन भागवत संदेश” प्रकाशनाधीन अछि।

कार्यक्रम केँ संबोधित करैत रामचंद्र जांगड़ा कहलनि जे पत्रकार लोकतंत्रक मजबूत स्तंभ छथि आ जनता आ शासनक बीच सेतु केर भूमिका निभबैत छथि। सामाजिक उत्तरदायित्व आ राष्ट्रहित केँ केंद्रमे राखि कार्य करनिहार पत्रकारक सम्मान समाज केँ सकारात्मक दिशा दैत अछि।

ई सम्मान केवल कृष्ण मोहन झाक व्यक्तिगत उपलब्धि नहि, बल्कि ओहि पत्रकारिताक स्वीकृति अछि जे समाज, राष्ट्र आ आमजनक मुद्दासभ केँ केंद्रमे राखि कएल जाइत अछि। लगातार भेटल राष्ट्रीय सम्मान सँ ई स्पष्ट भेल अछि जे हुनकर लेखनी आइयो समाजमे वैचारिक जागरण आ सकारात्मक परिवर्तनक सशक्त माध्यम बनल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *