भारतमे फिजिक्स रिसर्चक नव युगक शुरुआत, लोढ़ा फाउंडेशन लॉन्च कएलक ‘एलटीपीआई’

मुंबई: भारतकेँ विकसित राष्ट्र बनेबाक दिशा मे एकटा महत्वपूर्ण कदम उठबैत लोढ़ा फाउंडेशन देशक पहिल निजी फंडिंग आधारित थ्योरिटिकल फिजिक्स रिसर्च संस्थान ‘लोढ़ा थ्योरिटिकल फिजिक्स इंस्टीट्यूट (एलटीपीआई)’ केर शुभारंभ कएलक अछि। 27 मई केँ लोढ़ा वर्ल्ड टॉवर मे आयोजित कार्यक्रममे एकर औपचारिक शुरुआत कएल गेल।

एहि संस्थानक मुख्य उद्देश्य दुनियाक सर्वश्रेष्ठ वैज्ञानिक आ शोधकर्तासभकेँ एक मंच पर आनिकए फंडामेंटल फिजिक्सक क्षेत्रमे नव खोज आ शोधकेँ बढ़ावा देब अछि। एलटीपीआई भारतमे उच्च स्तरीय वैज्ञानिक अनुसंधानकेँ मजबूती देत आ देशकेँ वैश्विक शोध केंद्रक रूपमे स्थापित करबाक दिशा मे महत्वपूर्ण भूमिका निभायत।

ई संस्थान नोबेल स्तरक रिसर्च केँ प्रोत्साहित करबाक दृष्टिकोण सँ स्थापित कएल गेल अछि। एकर नेतृत्व विश्वप्रसिद्ध वैज्ञानिक आ वुल्फ पुरस्कार विजेता प्रोफेसर जैनेंद्र के. जैन करताह। हुनकर ‘कॉम्पोजिट फर्मियंस’ पर शोध क्वांटम फिजिक्सक क्षेत्रमे एकटा महत्वपूर्ण उपलब्धि मानल जाइत अछि, जाहिसँ एहि क्षेत्रमे नव दिशा भेटल अछि।

लोढ़ा फाउंडेशन केर ट्रस्टी आ लोढ़ा डेवलपर्स केर सीईओ एवं एमडी अभिषेक लोढ़ा कहलनि जे, “हमर विश्वास अछि जे उत्कृष्टता सभसँ पैघ प्रभाव पैदा करैत अछि। एलटीपीआई भारतकेँ ज्ञान आ रिसर्चक वैश्विक शक्ति बनेबाक दिशा मे महत्वपूर्ण योगदान देत।”

ओतहि, फाउंडेशनक चीफ मेंटर आशीष कुमार सिंह कहलनि, “जखन दुनियाक असाधारण मस्तिष्क एक संग आबैत अछि, तखन असाधारण परिणाम जन्म लैत अछि। एलटीपीआई ओहि सोचक प्रतिफल अछि।”

विशेषज्ञसभक अनुसार, एलटीपीआई केर स्थापना सँ भारतमे थ्योरिटिकल फिजिक्स रिसर्चक नव अध्याय शुरू भेल अछि, जे देशकेँ वैज्ञानिक नवाचार आ वैश्विक अनुसंधान क्षेत्रमे अग्रणी स्थान दिलाबयमे सहायक साबित होएत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *