
भुज (गुजरात) :अडानी समूहक क्षमता निर्माण मंच अडानी स्किल्स एंड एजुकेशन (ASE) आ गुजरात सरकार कच्छक 11टा औद्योगिक प्रशिक्षण संस्थान (आईटीआई) केँ उद्योग आधारित कौशल विकास आ रोजगारोन्मुख प्रशिक्षणक माध्यम सँ आधुनिक बनाबय लेल दूटा महत्वपूर्ण समझौता ज्ञापन (MoU) पर हस्ताक्षर केलक।
ई पहल एहन समय में शुरू कयल गेल अछि जखन कच्छ तेजी सँ नवीकरणीय ऊर्जा, लॉजिस्टिक्स आ औद्योगिक बुनियादी ढाँचा केर प्रमुख केंद्र बनि रहल अछि। एकर उद्देश्य स्थानीय युवासभ केँ एहन कौशल आ प्रशिक्षण उपलब्ध करेनाय अछि, जाहिसँ ओ क्षेत्रक विकासक अगिला चरण में सक्रिय भूमिका निभा सकथि।
भुजक GAIMS ऑडिटोरियम में आयोजित ‘कर्म उत्सव’ कार्यक्रमक दौरान एहि समझौता पत्रक औपचारिक आदान-प्रदान भेल। एहि कार्यक्रम में 650 सँ बेसी छात्र, शिक्षक, नीति निर्माता आ उद्योग प्रतिनिधि सहभागी बनला।
एहि साझेदारीक तहत पाठ्यक्रम उन्नयन, आधारभूत संरचनाक आधुनिकीकरण, शिक्षक प्रशिक्षण, व्यावहारिक अनुभव, ऑन-द-जॉब ट्रेनिंग आ प्लेसमेंट सहायता पर विशेष जोर देल जाएत, जाहिसँ तकनीकी शिक्षा केँ उद्योगक आवश्यकता अनुरूप बनाओल जा सकय।
कार्यक्रम में श्रम, कौशल विकास एवं रोजगार तथा ग्रामीण विकास मंत्री कुंवरजीभाई बावलिया, राज्य मंत्री कांतिलाल अमृतिया, गुजरात सरकारक वरिष्ठ पदाधिकारी, अडानी समूहक प्रतिनिधि, शिक्षक आ छात्रसभ उपस्थित छलाह।
एहि अवसर पर ASE छात्रसभ केँ ‘Skill2Employ’ आमंत्रण पत्र प्रदान केलक। संगहि 22 छात्र केँ उत्कृष्ट प्रदर्शन लेल सम्मानित कयल गेल, जखनकि 30 प्रशिक्षक केँ ट्रेन-द-ट्रेनर कार्यक्रम अंतर्गत प्रमाणपत्र देल गेल।
मंत्री कुंवरजीभाई बावलिया कहलनि जे युवासभ केँ वैश्विक स्तरक तकनीकी प्रशिक्षण दऽ आत्मनिर्भर बनौनाय सरकारक प्राथमिकता अछि। ओतहि कांतिलाल अमृतिया कहलनि जे कुशल युवा देशक आर्थिक प्रगति आ राष्ट्र निर्माणक असली शक्ति छथि।
ASE केर मुख्य कार्यकारी अधिकारी रॉबिन भौमिक कहलनि जे कच्छ संस्थाक “कर्मभूमि” अछि आ एहि क्षेत्रक भविष्य लेल संस्था दीर्घकालिक रूप सँ प्रतिबद्ध अछि।
ई पहल स्थानीय प्रतिभा केँ अवसर दऽ कौशल पलायन रोकबाक संग क्षेत्रीय विकास केँ मजबूती देत। ASE द्वारा आईटीआई परिवर्तन लेल तैयार कयल गेल 10 सूत्रीय एजेंडा आब देशक अन्य राज्यसभ में “गुजरात मॉडल” केर रूप में चर्चित भ’ रहल अछि।