बकरीद सँ पहिने असमक मस्जिद कमेटीक पैघ फैसला, गायक कुर्बानी पर रोक

गुवाहाटी। असमक कतेको जिला मे मस्जिद समितिसभ आगामी 28 मई कऽ मनाओल जाएवला बकरीदक अवसर पर गायक कुर्बानी नहि देबाक महत्वपूर्ण निर्णय लेने अछि। एहि निर्णयक स्वागत करैत मुख्यमंत्री हिमंत बिस्वा सरमा एकरा सामाजिक सौहार्द मजबूत करय वाला स्वैच्छिक कदम बतौलनि। हुनकर कहब अछि जे ई निर्णय बहुसंख्यक समुदायक धार्मिक भावनाक सम्मानक प्रतीक अछि।

ई घोषणा एहन समयमे सामने आयल अछि, जखन धुबरीक पूर्व विधायक अली अकबर मियां केँ शनिचर दिन गिरफ्तार कएल गेल। हुनका पर सोशल मीडिया पर एक विवादित पोस्ट साझा करबाक आरोप अछि, जाहिमे अधिकारियों केँ कुर्बानीक मामलामे हस्तक्षेप नहि करबाक चेतावनी देल गेल छल। संगहि, पोस्टमे एहन करला पर गंभीर परिणाम भुगतबाक बात कहल गेल छल आ मुख्यमंत्रीक खिलाफ अभद्र टिप्पणी सेहो कएल गेल छल।

मुख्यमंत्री हिमंत बिस्वा सरमा मस्जिद समितिसभक एहि पहल केर खुलिकय प्रशंसा कयलनि। हुनकर कहब छल जे ई फैसला सिर्फ कानूनी व्यवस्था अनुरूप नहि अछि, बल्कि सामाजिक समरसता आ आपसी सम्मान केँ सेहो बढ़ावा दैत अछि। मुख्यमंत्री सोशल मीडिया पर एहि निर्णय सँ जुड़ल खबरक कतरन साझा करैत लिखलनि, “हम एहि प्रयासक स्वागत करैत छी आ आशा करैत छी जे आन समितिसभ सेहो एहन अपील जारी करत।”

मस्जिद समितिसभक ई अपील असम मवेशी संरक्षण अधिनियम, 2021 केर लागू नियमक तहत सामने आयल अछि। ई कानून राज्य मे बीफक उपयोग पर पूर्ण प्रतिबंध नहि लगबैत अछि, मुदा मवेशीक वध आ ओकर व्यापार केँ लऽ कऽ सख्त दिशा-निर्देश तय करैत अछि। अधिनियमक तहत मवेशीक कुर्बानी लेल पूर्व अनुमति लेनाय अनिवार्य अछि आ अवैध परिवहन रोकबाक लेल कड़ा प्रावधान कएल गेल अछि।

राजनीतिक आ सामाजिक विश्लेषकसभक मानब अछि जे एहि तरहक निर्णय राज्य मे सांप्रदायिक सौहार्द आ सामाजिक शांति बनौने रखबाक लेल महत्वपूर्ण भूमिका निभा सकैत अछि। मस्जिद समितिसभक ई पहल समाज मे आपसी विश्वास आ सद्भावक सकारात्मक संदेश देबय वाला मानल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *