रुचि गुज्जर कान्स रेड कार्पेट केँ बनौलनि सामाजिक बदलावक मंच

मुंबई : 79म कान्स फिल्म फेस्टिवलक भव्य रेड कार्पेट एहि वर्ष सिर्फ ग्लैमर आ फैशन लेल नहि, बल्कि महिला स्वतंत्रता, पहचान आ सामाजिक बदलावक मजबूत संदेश लेल सेहो चर्चा मे रहल।

बॉलीवुड अभिनेत्री रुचि गुज्जर अपन राजस्थानी घूंघट-प्रेरित शाही लुक सँ दुनियाभरक ध्यान आकर्षित केलनि। हुनकर ई अंदाज सिर्फ पारंपरिक फैशन नहि, बल्कि महिलासभ पर थोपाल गेल पुरान घूंघट प्रथाक विरोधक प्रतीक सेहो बनल।

रुचि गुलाबी रंगक शानदार पारंपरिक लहंगा मे नजर एलि, जाहि पर चांदीक जरीक बारीक कारीगरी कएल गेल छल। एकर संग पारंपरिक राजस्थानी गहना आ पारदर्शी घूंघट हुनकर लुक केँ खास बना रहल छल। अपन संस्कृति आ विरासत केँ सम्मान दैत रुचि ई सवाल सेहो उठौलनि जे की परंपरा महिलाक पहचान आ आवाज केँ दबा देबाक माध्यम बनबाक चाही?

राजस्थान सँ संबंध रखनिहार रुचि कहली, “हम घूंघट चुप रहबाक लेल नहि पहिरलौं, बल्कि विरोधक रूप मे पहिरलौं। महिलासभ केँ सम्मान समानता, आत्मविश्वास आ स्वतंत्रताक माध्यम सँ मिलबाक चाही।”

ई खास लुक डिजाइनर रूपा शर्मा द्वारा तैयार कएल गेल छल, जाहि बाद सोशल मीडिया आ अंतरराष्ट्रीय फैशन जगत मे जोरदार चर्चा शुरू भऽ गेल। बहुतो लोक एकरा एहि वर्ष कान्स मे भारतक सबसे साहसिक आ सामाजिक रूप सँ प्रभावशाली प्रस्तुति बता रहल छथि।

रुचि गुज्जर सिर्फ रेड कार्पेट पर नहि चलली, बल्कि समाज केँ सोचबाक लेल मजबूर कऽ देलनि आ एकटा जरूरी बहस शुरू कऽ देलनि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *