कृति-रश्मिका के ‘इंस्टा वॉर’ सऽ गरमायल ‘कॉकटेल 2’क माहौल

मुंबई : बॉलीवुड मे आब फिल्मक प्रमोशन सिर्फ पोस्टर आ ट्रेलर धरि सीमित नहि रहल अछि। सोशल मीडिया पर कलाकारसभक मजेदार नोकझोंक सेहो आब प्रमोशनक पैघ हिस्सा बनि गेल अछि। आब एहनहि चर्चा फिल्म “कॉकटेल 2” केँ लऽ कऽ भऽ रहल अछि, जतय फिल्मक गानसँ बेसी अभिनेत्री कृति सेनन आ रश्मिका मंदानाक इंस्टाग्राम “कोल्ड वॉर” चर्चा मे अछि।

हालहि मे फिल्मक नव गीत “माशूका” रिलीज भेल, जाहिमे कृति सेनन आ शाहिद कपूरक सिजलिंग केमिस्ट्री फैंस केँ खूब पसंद आबि रहल अछि। गीत सोशल मीडिया पर तेजी सँ वायरल भऽ रहल अछि।

दिलचस्प गप्प ई रहल जे फिल्मक दू अनरिलीज्ड गीत — “माशूका” आ “तुझको” — क बीच खास लिसनिंग इवेंट मे वोटिंग कराओल गेल। बहुत कम अंतर सँ “माशूका” जीत गेल आ ओकरा पहिने रिलीज कएल गेल। एहि बातक बाद सोशल मीडिया पर मजेदार तकरार शुरू भऽ गेल।

रश्मिका इंस्टाग्राम स्टोरी मे वोटिंग केँ “रिग्ड” बता देलनि। जवाब मे कृति सेहो तंज कसैत लिखलनि, “माशूका केँ पकल आम पसंद अछि, खट्टा अंगूर नहि।”

मुदा असली ट्विस्ट तऽ ओहि समय आयल जखन रश्मिका अचानक अपन गीत “तुझको”क वीडियो इंस्टाग्राम पर “गलती सँ” लीक कऽ देलनि। आब ई सचमुच गलती छल कि स्मार्ट प्रमोशनल प्लान, से तऽ ओहिसभ केँ बुझल होएत, मुदा एतबा तय अछि जे “कॉकटेल 2” रिलीज सँ पहिनहि फैंसक जबरदस्त मनोरंजन शुरू कऽ देने अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *