नई दिल्ली: रविदिन साँझ कर्ण गोष्ठी कल्याण समिति द्वारा एकटा ऑनलाइन स्वास्थ्य परामर्श कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल, जाहिमे देशभरिक लोकसभक सक्रिय सहभागिता रहल। एहि कार्यक्रममे देशक प्रसिद्ध ऑर्थोडॉन्टिस्ट डॉ. संजय लाभ दाँत सँ जुड़ल विभिन्न सवालक जवाब देलनि आ दाँतक उचित देखभाल, सफाइ आ रोगसँ बचावक उपाय पर विस्तारसँ जानकारी देलनि।
कार्यक्रमक दौरान डॉ. लाभ श्रोतासभकेँ दाँतक स्वच्छता, समय पर जांच, सही उपचार आ आधुनिक दंत चिकित्सा पद्धतिक संबंधमे सरल आ प्रभावशाली ढंगसँ महत्वपूर्ण जानकारी देलनि। हुनका कहब छल जे स्वस्थ शरीर लेल स्वस्थ दाँत अत्यंत आवश्यक अछि। नियमित सफाइ, संतुलित खान-पान आ समय-समय पर चिकित्सकीय परामर्शसँ दाँतक अनेक गंभीर समस्यासँ बचल जा सकैत अछि।
डॉ. लाभक संबोधन ज्ञानवर्धक, प्रेरणादायक आ व्यवहारिक जानकारीसँ भरल छल, जाहिसँ उपस्थित श्रोता काफी लाभान्वित भेलाह। कार्यक्रममे शामिल लोकसभ हुनकर अनुभव आ सहज प्रस्तुतिक मुक्तकंठसँ सराहना कएलनि। स्वास्थ्य जागरूकता बढ़ेबाक दृष्टिसँ एहि प्रकारक कार्यक्रमकेँ समाज लेल अत्यंत उपयोगी मानल गेल।
एहि सफल कार्यक्रमक आयोजनमे संस्थाक अध्यक्ष उग्र नारायण मल्लिक आ कर्ण गोष्ठी कोर कमेटीक महत्वपूर्ण भूमिका रहल। उत्कृष्ट व्यवस्था आ सफल संचालन लेल उपस्थित लोकसभ हुनकर प्रति आभार व्यक्त कएलनि।
अंतमे आयोजक मंडली द्वारा सभ आगंतुक, वक्ता आ सहयोगीसभकेँ धन्यवाद ज्ञापन कएल गेल।
