
नई दिल्ली। भारतीय वायु सेना (आईएएफ) द्वारा 7 मई सँ 10 मई 2026 धरि नई दिल्ली में 88 घंटाक “ऑपरेशन सिंदूर यादगार श्रृंखला दौड़” केर भव्य आयोजन कएल गेल। एहि विशेष कार्यक्रमक माध्यम सँ भारतीय वायु सेना अपन सफल हवाई अभियानक पहिल वर्षगाँठ मनौलक, जाहि में निर्णायक आ सटीक सैन्य कार्रवाईक क्षमता केर प्रदर्शन कएल गेल छल।
एहि दौड़ में भारतीय वायु सेना आ भारतीय सेनाक सभ कमान सँ कुल 600 धावक सहभागी बनलाह। कार्यक्रमक शुरुआत 7 मई 2026 केँ भोरे 1:05 बजे इंडिया गेट सँ एयर ऑफिसर इन चार्ज एडमिनिस्ट्रेशन (एओए) द्वारा हरियर झंडी देखा क’ कएल गेल, जखनकि एकर समापन 10 मई 2026 केँ साँझ 5:00 बजे एयर फोर्स स्टेशन, नई दिल्ली में चीफ ऑफ द एयर स्टाफ (सीएएस) द्वारा फ्लैग-इन क’ कएल गेल।
ई दौड़ लगातार 88 घंटा धरि रिले प्रारूप में चलल। आयोजनक सफल संचालन में असैनिक अधिकारी सभक महत्वपूर्ण भूमिका रहल। संगहि नागरिक स्वयंसेवक सभ सेहो पूरा उत्साहक संग दौड़ में भाग लेलनि।
दौड़क मार्ग दिल्लीक प्रमुख स्थल सभ सँ होइत गुजरल, जाहि में इंडिया गेट, ब्रिगेडियर होशियार सिंह मार्ग, वायु भवन, नेहरू पार्क आ न्यू मोती बाग रोड प्रमुख रहल। एकर अंतिम पड़ाव नई दिल्ली वायुसेना स्टेशन रहल।
भारतीय वायु सेनाक अनुसार, एहि आयोजनक मुख्य उद्देश्य वायुसेनाक कर्मी सभक बीच एकजुटताक भावना केँ मजबूत बनाबय आ आम जनता संग रक्षा बलक जुड़ाव केँ बढ़ाबय छल।
वायु सेना अधिकारी सभ कहलनि जे “ऑपरेशन सिंदूर यादगार श्रृंखला दौड़” केवल सैन्य उपलब्धिक सम्मान नहि, बल्कि टीमवर्क, समर्पण आ जनभागीदारीक उत्कृष्ट उदाहरण सेहो अछि। ई आयोजन भारतीय वायु सेनाक उत्साह, अनुशासन आ देशभक्ति केर प्रतीक बनि उभरल।
एहि अवसर पर आयोजित अन्य गतिविधिक अंतर्गत 10 मई 2026 केँ नेहरू पार्क में भारतीय वायु सेनाक जैज बैंड द्वारा भोरे 6:30 बजे सँ 8:00 बजे धरि लाइव प्रस्तुति सेहो देल गेल, जाहि सँ उपस्थित दर्शक मंत्रमुग्ध भ’ गेलाह।
“ऑपरेशन सिंदूर” केर पहिल वर्षगाँठ पर आयोजित ई ऐतिहासिक दौड़ भारतीय वायु सेनाक साहस, संकल्प आ देशसेवाक जज्बाक जीवंत उदाहरण बनि गेल।