मदर्स डे पर Tupperware आ Instamart केर खास पहल

नई दिल्ली। मदर्स डे क अवसर पर रसोई केँ व्यवस्थित रखबाक आ भोजन केँ सुरक्षित स्टोर करबाक लेल प्रसिद्ध ब्रांड Tupperware भारतक अग्रणी क्विक कॉमर्स प्लेटफॉर्म Instamart संग साझेदारी कए तेज आ आसान डिलीवरी सेवामे अपन कदम रखलक अछि।
भारतक प्रतिष्ठित किचन ब्रांड सभमे सँ एक टपरवेयर आब सीधा ग्राहक सभक घर धरि पहुँचत। एहि विशेष पहलमे लोकप्रिय अभिनेत्री Soha Ali Khan आ Neha Dhupia सेहो शामिल छथि। दुनू अभिनेत्री अपन बच्चाक टिफिन पैक करबाक सँ लऽ कए रसोई व्यवस्थित रखबाक दैनिक जरूरत लेल टपरवेयर पर भरोसा करैत छथि।
एहि साझेदारीक बाद ग्राहक आब इंस्टामार्टक माध्यम सँ टपरवेयरक उत्पाद आसानी सँ ऑर्डर कए सकताह आ कम समयमे अपन घर पर प्राप्त कए सकताह।
इंस्टामार्टक एवीपी (कैटेगरी) Manender Kaushik कहलनि जे टपरवेयर एहन ब्रांड अछि जे पीढ़ी दर पीढ़ी भारतीय रसोईक हिस्सा रहल अछि—चाहे ओ रसोईक अलमारी हो, बच्चाक स्कूल बैग हो वा परिवारक भरोसाक प्रतीक। हुनका अनुसार, एहि साझेदारीक उद्देश्य उच्च गुणवत्ता वाला स्टोरेज समाधान केँ तुरंत उपलब्ध कराओनाइ अछि, जाहि सँ लोकनिक रोजमर्रा जिनगी आरो आसान बनत।
टपरवेयरक एपीएसी डिजिटल प्रमुख Shweta Kumar कहलनि जे ई साझेदारी दर्शबैत अछि जे टपरवेयर बदलैत जीवनशैलीक संग लगातार आगाँ बढ़ि रहल अछि। हुनका अनुसार, कंपनीक पहचान सदिखन लोकसभ सँ जुड़ल रहबाक आ हुनकर अनुभवक हिस्सा बनबाक रहल अछि, आ आबो ओ ग्राहक धरि ओहि भरोसा आ गुणवत्ता संग पहुँचि रहल अछि।
मदर्स डे पर शुरू भेल ई पहल आधुनिक परिवार लेल सुविधा, भरोसा आ गुणवत्ताक नव अध्याय मानल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *