Paytm केँ FY26 मे पहिल बेर पूर सालक मुनाफा, रेवेन्यू बढ़ि ₹8,437 करोड़ पहुँचल

नई दिल्ली: डिजिटल भुगतान आ वित्तीय सेवा क्षेत्रक प्रमुख कंपनी Paytm अर्थात वन 97 कम्युनिकेशंस लिमिटेड वित्त वर्ष 2026 मे पहिल बेर पूरा सालक मुनाफा दर्ज कए इतिहास रचल अछि। कंपनीक कुल रेवेन्यू 22 प्रतिशत बढ़िकए ₹8,437 करोड़ पर पहुँच गेल, जखनकि शुद्ध लाभ (PAT) ₹552 करोड़ रहल। एहि अवधि मे EBITDA सेहो ₹502 करोड़ दर्ज कएल गेल।

कंपनीक अनुसार ई मजबूत प्रदर्शन उपभोक्ता आ व्यापारी भुगतान सेवामे बढ़ैत हिस्सेदारी तथा आर्टिफिशियल इंटेलिजेंस (AI) आधारित लागत बचत रणनीतिक परिणाम अछि।

मार्च 2026 तिमाही मे कंपनीक ऑपरेटिंग रेवेन्यू ₹2,264 करोड़ रहल, जे साल-दर-साल 18 प्रतिशत अधिक अछि। एहि दौरान Paytm क मर्चेंट GMV 27 प्रतिशत बढ़िकए ₹6.5 लाख करोड़ धरि पहुँच गेल।

कंपनीक सब्सक्रिप्शन मर्चेंट्सक संख्या सेहो तेजी सँ बढ़ल अछि। आब Paytm संग जुड़ल सब्सक्रिप्शन व्यापारीक संख्या 1.51 करोड़ भ’ गेल अछि, जाहिमे बीतल एक वर्ष मे 27 लाख नव व्यापारी जुड़ल छथि।

वित्तीय सेवा वितरण सँ होमय वाली आय मे सेहो उल्लेखनीय वृद्धि देखल गेल। ई आय 38 प्रतिशत बढ़िकए ₹750 करोड़ पहुँच गेल। कंपनी व्यापारी आ उपभोक्ता लोन वितरण क्षेत्रमे मजबूत विस्तार दर्ज कएने अछि।

एहि बीच Paytm क UPI भुगतान कारोबार सेहो तेज गति सँ आगाँ बढ़ल अछि। ग्राहक UPI GTV 46 प्रतिशत बढ़िकए ₹5.5 लाख करोड़ धरि पहुँच गेल, जखनकि प्रतिमाह ट्रांजैक्शन करय वाला सक्रिय यूज़र्सक संख्या बढ़िकए 7.7 करोड़ भ’ गेल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *