टाटा पावर-डीडीएलक राष्ट्रीय लोक अदालत 9 मई कऽ, बिजली चोरी आ काटल कनेक्शनक मामिलाक तत्काल निपटारा हेतू अवसर

नई दिल्ली। उत्तरी दिल्लीक करीब 90 लाख आबादी केँ बिजली आपूर्ति करय वाली प्रमुख पावर यूटिलिटी टाटा पावर-डीडीएल द्वारा बिजली चोरी आ काटल गेल बिजली कनेक्शनसँ जुड़ल लंबित आ विवादित मामिलाक त्वरित सुनवाई आ निपटारा लेल 9 मई 2026 केँ राष्ट्रीय लोक अदालतक आयोजन कएल जा रहल अछि।
ई लोक अदालत दिल्ली राज्य विधिक सेवा प्राधिकरण (डीएसएलएसए) केर सहयोगसँ शनिवार, 9 मई 2026, बिहान 10 बजे सँ साँझ 4 बजे धरि स्थायी लोक अदालत-1, सब-स्टेशन बिल्डिंग, 2/13, सेक्टर-13, रोहिणी, दिल्ली (वेंकटेश्वर ग्लोबल स्कूलक नजदीक) मे आयोजित हएत।
टाटा पावर-डीडीएलक अनुसार, जे उपभोक्ता अपन लंबित वा विवादित मामिलाक समाधान चाहैत छथि, ओ हेल्पलाइन नंबर 19124 पर संपर्क क’ सकैत छथि।
बिजली चोरीसँ संबंधित सुनवाई लेल उपभोक्ता eac.care@tatapower-ddl.com पर ईमेल पठा सकैत छथि, जबकि काटल गेल कनेक्शनक बकाया राशि संबंधी विवादक समाधान लेल customercare@tatapower-ddl.com पर संपर्क कएल जा सकैत अछि।
रजिस्टर्ड उपभोक्ताकें अपन मामला निपटाबय लेल मान्य फोटो पहचान-पत्र आ बिजली चोरी अथवा डिस्कनेक्टेड कनेक्शनसँ संबंधित बिल संग लाब’ पड़त। जँ कोनो उपभोक्ता सीधे लोक अदालतमे अपन विवादित बिलक निपटारा चाहैत छथि, तऽ ओ आधार कार्ड आ संबंधित बिलक प्रति ल’ क’ स्थायी लोक अदालत-1 पहुँचि सकैत छथि।
टाटा पावर-डीडीएलक कहब अछि जे राष्ट्रीय लोक अदालतक मुख्य उद्देश्य उपभोक्ताकें ऑन-द-स्पॉट राहत आ समाधान उपलब्ध करेनाय अछि, जाहिसँ कानूनी प्रक्रिया सँ बचैत सहज समाधान संभव भ’ सकय।
कंपनी स्पष्ट केने अछि जे जँ संबंधित उपभोक्ता एहि अवसरक लाभ नहि उठबैत छथि, तँ विद्युत अधिनियम 2003 आ डीईआरसी विनियमनक प्रावधानक तहत आवश्यक कानूनी कार्रवाई कएल जाएत।
उपभोक्ता अपन बकाया राशि डिमांड ड्राफ्ट, चेक, क्रेडिट कार्ड, डेबिट कार्ड, ऑनलाइन भुगतान अथवा नकद माध्यमसँ जमा क’ सकैत छथि।
राष्ट्रीय लोक अदालतक व्यापक जानकारी पहुँचाब’ लेल टाटा पावर-डीडीएल सोशल मीडिया, एसएमएस आ अन्य संचार माध्यमक सहारा ल’ रहल अछि, जाहिसँ अधिकसँ अधिक उपभोक्ता एहि सुविधाक लाभ उठा सकथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *