बड़हियाक ‘एटम बम’ रसगुल्ला: स्वाद एहन जे एक बेर खाइतहि फेर मन ललचाय

लखीसराय। जँ अहाँ रसगुल्ला खाय के शौकीन छी, तँ बिहारक लखीसराय जिला स्थित बड़हिया नाम जरूर सुनने होयब। अपन अनोखा स्वाद आ विशाल आकार लेल प्रसिद्ध बड़हियाक रसगुल्ला केवल बिहारमे नहि, बल्कि देशक विभिन्न राज्य आ पड़ोसी देश नेपाल धरि प्रसिद्ध अछि। एहि रसगुल्लाक खास पहचान अछि—‘एटम बम’ रसगुल्ला।

हालाँकि बंगालक रसगुल्ला देशभरमे मशहूर अछि, मुदा बड़हियाक रसगुल्लाक सामने ओकर तुलना करब बहुतो लोक बेमानी मानैत छथि। एहि रसगुल्लाक आकार एतेक पैघ होइत अछि जे एकटा खा लेलाक बाद दोसर खाय के हिम्मत जुटेनाइ कठिन भऽ जाइत अछि। अद्भुत मिठास आ मुलायम स्वादक कारण ई लोकनिक दिल पर राज करैत अछि।

गंगा नदीक तट पर बसल बड़हिया केँ लोक ‘रसगुल्लाक नगरी’ सेहो कहैत छथि। एतय हर तरहक रसगुल्ला बनाओल जाइत अछि, मुदा ‘एटम बम’ केर लोकप्रियता सबसे बेसी अछि। लग्न-शादी, पारिवारिक समारोह आ विशेष आयोजनक लेल लोक दूर-दूर सँ ऑर्डर दैत छथि।

बड़हियाक एटम बम रसगुल्लाक दोसर खासियत अछि ओकर किफायती दाम। एतय आबो 230 सँ 350 रुपया प्रति किलो धरि रसगुल्ला बिकैत अछि। स्वाद आ गुणवत्ता केर हिसाब सँ ई कीमत बहुत उचित मानल जाइत अछि।
स्थानीय कारीगरसभक अनुसार, एहि रसगुल्ला केँ तैयार करबाक लेल दियारा क्षेत्र आ आसपासक इलाकासँ शुद्ध दूध मंगाओल जाइत अछि। दूध सँ निकालल छेना केँ खूब फेंटल जाइत अछि, जाहिसँ रसगुल्ला बेहद मुलायम आ हल्का बनैत अछि। खास बात ई जे एहि निर्माणमे मैदा केर उपयोग नहि होइत अछि, आ एकरा पतली चासनीमे तैयार कएल जाइत अछि, जे ओकर स्वाद केँ आरो लाजवाब बना दैत अछि।

बड़हियामे छोट-पैघ मिला कऽ लगभग 100 सँ अधिक मिठाइक दोकान अछि, जतय रोजाना रसगुल्ला बनाओल जाइत अछि। अनुमान अछि जे प्रतिदिन एक सँ दू क्विंटल रसगुल्लाक बिक्री होइत अछि।

ई कारोबार स्थानीय अर्थव्यवस्थाक मजबूत आधार सेहो बनल अछि। प्रत्येक दोकानमे करीब 20 सँ 25 मजदूर आ कारीगर कार्यरत छथि। एहि हिसाब सँ लगभग 2500 परिवार एहि रसगुल्ला उद्योग पर निर्भर छथि।
बड़हियाक रसगुल्ला केवल मिठाई नहि, बल्कि बिहारक स्वाद, परंपरा आ मेहनतक मीठ पहचान बनि चुकल अछि। जे कोनो एक बेर एहि ‘एटम बम’ रसगुल्लाक स्वाद चखैत अछि, ओकरा लेल ई अनुभव जीवनभर यादगार बनि जाइत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *