
नई दिल्ली। आगामी मलंगिया महोत्सव क’ सफल आयोजन हेतु काल्हि गांधी स्मृति राजघाट पर एक महत्वपूर्ण बैसार आयोजित कएल गेल, जाहि मे श्रृषि मलंगिया क’ अगुआई मे कार्यक्रमक तैयारी पर विस्तार स’ चर्चा कएल गेल।
बैसार दौरान कार्यक्रम के सफल बनाब’ लेल विभिन्न बिंदु पर विचार-विमर्श क’ उपरांत जरूरी निर्णय सभ लेल गेल। संगहि सभागार आ अन्य कार्यक्रम स्थल सभक निरीक्षण सेहो कएल गेल, जाहि स’ आयोजन के बेहतर ढंग स’ संपन्न कएल जा सके।
आयोजक सभ बतौलनि जे मैथिली संस्कृति स’ जुड़ल ई ऐतिहासिक आयोजन अछि, जकरा Guinness World Records मे दर्ज करबाक लक्ष्य रखल गेल अछि। एहना मे सभ मैथिल समाज क’ सहभागिता आ सहयोग अत्यंत जरूरी अछि।
आयोजन समिति द्वारा सभस’ आग्रह कएल गेल अछि जे 24 अप्रैल के बिहान 11 बजे उद्घाटन समारोह मे अधिक स’ अधिक संख्या मे उपस्थित होउ आ अगिला चारि दिन धरि कार्यक्रम मे भाग लियौ।