‘दबिश’ 24 अप्रैल क’ देतै बड़ सिनेमाई झटका

मुंबई। क्राइम थ्रिलर फिल्म प्रेमी सभ लेल 24 अप्रैल एक खास दिन बन’ जा रहल अछि, जखन निर्देशक मनोज त्रिपाठी क’ बहुप्रतीक्षित फिल्म दबिश सिनेमाघर मे रिलीज होएत। ई फिल्म सिर्फ अपराध कहानी नहि, बल्कि एकटा ईमानदार पुलिस अफसर क’ जिद, संघर्ष आ सिस्टम स’ टकराव क’ दमदार प्रस्तुति अछि, जे दर्शक सभ के अंत धरि बांधि क’ रखबाक दावा करैत अछि।

फिल्मक कहानी डीएसपी रुद्र प्रताप सिंह क’ चरित्र क’ चारू कात घुमैत अछि, जे अपन कर्तव्य प्रति निडर आ समर्पित छथि। नयका शहर मे ट्रांसफर क’ बाद हुनका सामने एहन मामला अबैत अछि, जे धीरे-धीरे भ्रष्टाचार आ आपराधिक गठजोड़ क’ गहर सच्चाई के उजागर करैत अछि। हर मोड़ पर सस्पेंस आ अनपेक्षित ट्विस्ट दर्शक सभ के सोच’ पर मजबूर करैत अछि।

फिल्म मे आमिर मलिक, कल्पना सैनीअनंत सारस्वत जकाँ कलाकार अपन-अपन भूमिका मे जान फूंक देलनि अछि। एकर संगहि फिल्मक तीनटा गीत—एकटा आइटम नंबर आ दूटा रोमांटिक ट्रैक—कहानी मे भावनात्मक रंग जोड़ैत अछि। उत्तर भारत स’ ल’ क’ मुंबई धरि विभिन्न लोकेशन पर शूट भेल ई फिल्म पैमाना आ गहराई दुनू क’ एहसास करबैत अछि।

दबिश सिर्फ एकटा फिल्म नहि, बल्कि न्याय आ सच क’ खोज मे निकलल एकटा अफसर क’ दमदार दास्तान अछि, जकर क्लाइमैक्स दर्शक सभ के चौंका सकैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *