
दरभंगा। तारडीह प्रखंड के नदियामी पंचायत मे आयोजित होमय जा रहल श्री श्री 108 लक्ष्मी-नारायण महायज्ञ के तैयारी पूर्णता दिस पहुँचि रहल अछि। पूरा क्षेत्र मे धार्मिक उत्साह आ उल्लास देखल जा रहल अछि। आयोजक समिति के अनुसार एहि महायज्ञ मे लाखो श्रद्धालु के जुटान के संभावना अछि।
महायज्ञ के मुख्य आकर्षण 9 मंजिला भव्य यज्ञ मंडप रहत, जकर निर्माण मुजफ्फरपुर के जीवछ साहनी के देखरेख मे कएल जा रहल अछि। आयोजक सभ के कहब अछि जे ई मंडप श्रद्धालु पाहुन सभक लेल विशेष आकर्षण बनत।
एहि धार्मिक आयोजन के आओर आध्यात्मिक बनाबए लेल सुप्रसिद्ध कथा वाचिका जया किशोरी द्वारा श्रीमद्भगवद्गीता पर प्रवचन देल जायत। हुनकर कार्यक्रम के लेल विशेष मंच आ व्यवस्था कएल जा रहल अछि।
महायज्ञ स्थल पर 108 देवी-देवता के प्रतिमा स्थापित कएल जा रहल अछि। प्रतिमा निर्माण के कार्य लगभग पूरा भ’ चुकल अछि आ स्थापना के बाद पूरा परिसर मे भक्तिमय वातावरण बनत।
महायज्ञ मे आगुंतक श्रद्धालु पाहुन सभक लेल 150 बीघा सँ अधिक क्षेत्र मे विशाल मेला सेहो आयोजित कएल जाएत। मेला मे झूला, किड्स कॉर्नर, खिलौना आ घरेलू सामान के दोकान आ पारंपरिक खान-पान के स्टॉल लगाओल जायत। संगहि स्थानीय लोक आ बाहर सँ आबि रहल श्रद्धालु सभक सुविधा के पूरा व्यवस्था रहत।
संयोजक कृष्ण मोहन दास के अनुसार 19 अप्रैल के भव्य कलश शोभायात्रा निकालल जायत। 20 अप्रैल सँ 28 अप्रैल तक महायज्ञ विधि-विधान सँ संपन्न होयत, जाहि मे हवन, पूजा-पाठ, भजन-कीर्तन संग सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो आयोजित कएल जाएत।
समिति के सचिव बौआ चौधरी आ कार्यकारी अध्यक्ष कन्हैया चौधरी कहलनि जे पूरा मेला क्षेत्र मे सीसीटीवी कैमरा लगाओल जा रहल अछि। भीड़ नियंत्रण आ श्रद्धालु सभ के सुविधा लेल प्रतिबद्ध स्वयंसेवक केर टीम सजग रहत। रवींद्र झा आ मदन मिश्र के नेतृत्व में अलग-अलग टीम बनाओल गेल अछि।
एहि संग पेयजल, शौचालय, प्राथमिक चिकित्सा, पार्किंग आ साफ-सफाई के विशेष व्यवस्था सेहो कएल गेल अछि।
नदियामी मे आयोजित होमय जा रहल ई महायज्ञ धार्मिक आस्था संग-संग सामाजिक एकता आ सांस्कृतिक समरसता के सेहो मजगूत करत, जतय हजारों श्रद्धालु एकजुट भ’ एहि पावन आयोजन के साक्षी बनताह।