नई दिल्ली। दिल्ली विश्वविद्यालय अन्तर-कॉलेज हॉकी (पुरुष आ महिला) टूर्नामेंट 2026-27 केर पहिल दिन पुरुष वर्ग में श्री गुरु तेग बहादुर खालसा कॉलेज आ सेंट स्टीफंस कॉलेज शानदार जीत दर्ज कयलक।
पहिल मैच में श्री गुरु तेग बहादुर खालसा कॉलेज, श्याम लाल कॉलेज (सांध्य) केँ 8-0 सँ पराजित कयलक। खालसा कॉलेजक तरफसँ पुष्कर दू गोल कयलनि। ओतहि विपिन, शिववर्धन, शौर्य, आर्यन, विश्वेंद्र आ प्रतीक एक-एक गोल कय टीमक जीत सुनिश्चित कयलनि।
दोसर मैच में सेंट स्टीफंस कॉलेज, मोतीलाल नेहरू कॉलेज (सांध्य) केँ 6-0 सँ हरौलक। सेंट स्टीफंसक तरफसँ गुरसंजन सिंह शानदार प्रदर्शन करैत तीन गोल कयलनि। आशीष, लवमीत आ विशाल एक-एक गोल कयलनि।
ई टूर्नामेंट 27 अक्टूबरसँ 5 नवंबर, 2026 तक शाहदराक श्याम लाल कॉलेजक मैदान में आयोजित भऽ रहल अछि। पुरुष वर्गक मुकाबला 27 सँ 31 अक्टूबर तक खेलल जायत, जखन कि महिला वर्गक मुकाबला 2 सँ 5 नवंबर, 2026 तक आयोजित होयत।
