पटना: लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) के युवा राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सह पार्टी प्रवक्ता डॉ. विभय कुमार झा पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष आ केंद्रीय कैबिनेट मंत्री श्री चिराग पासवान केँ धमकी भरल संदेश भेटलापर गहींर चिंता व्यक्त कयलनि अछि। ओ एहि घटनाक अत्यंत चिंताजनक, निंदनीय आ कायरतापूर्ण कृत्य बतौलनि।
डॉ. विभय कुमार झा कहलनि जे श्री चिराग पासवान गरीब, दलित, पिछड़ा, अल्पसंख्यक आ शोषित समाजक आवाज छथि। ओ सदिखन सामाजिक समरसता आ समाजक वंचित वर्गक हितक बात करैत रहल छथि। एहन स्थिति मे हुनका धमकी भरल संदेश भेटब गंभीर विषय अछि।
डॉ. झा बतौलनि जे पार्टीक शीर्ष नेतृत्वक अनुमति सँ केंद्र सरकारक वरिष्ठ अधिकारी सभ केँ एहि घटनाक जानकारी दऽ देल गेल अछि आ आवश्यक कार्रवाईक मांग कयल गेल अछि।
लोजपा (रामविलास) नेता कहलनि जे लोकतांत्रिक व्यवस्था मे कोनो व्यक्तिकेँ धमकी दऽ भयक माहौल बनेबाक प्रयास स्वीकार्य नहि भऽ सकैत अछि। ओ सरकार आ प्रशासन सँ मांग कयलनि जे एहि मामलाक गंभीरतासँ संज्ञान लैत धमकी देनिहार व्यक्तिक पहचान कऽ हुनका विरुद्ध कड़ा आ उचित कानूनी कार्रवाई कयल जाए।
डॉ. विभय कुमार झा कहलनि जे जनप्रतिनिधि आ सार्वजनिक जीवनसँ जुड़ल लोक सभक सुरक्षा मे कोनो प्रकारक लापरवाही नहि होबाक चाही। अधिकारी सभ केँ मामलाक गंभीरतासँ जांच कऽ आवश्यक कदम उठेबाक चाही।
