प्रशांत किशोरक जीतक जश्न शुरू, टीमक कार्यकर्ता अनूप मैथिल आ आदित्य मोहनमे उत्साह

पटना: बांकीपुर विधानसभा उपचुनावमे जन सुराजक उम्मीदवार प्रशांत किशोरक बढ़त आ जीतक रुझान सामने अबिते हुनकर समर्थकसभमे जश्नक माहौल बनि गेल अछि। पार्टीक कार्यकर्ता आ समर्थक एक-दोसराक मिठाइ खुआकऽ जीतक खुशी मना रहल छथि।

प्रशांत किशोरक टीमक सक्रिय सदस्य अनूप मैथिलआदित्य मोहन सेहो जीतक जश्नमे शामिल छथि। एहि दुनू युवा 2025 केर विधानसभा चुनाव समाप्त भेलाक बाद जन सुराजसँ जुड़ल छलाह। गेल तीन माससँ ई दुनू बांकीपुरक गली-गलीमे घूमि कऽ जनसंपर्क अभियान चलबैत रहलाह आ युवासभमे उत्साह जगबैत रहलाह।

अनूप मैथिल आ आदित्य मोहन पूर्वमे मिथिला स्टूडेंट यूनियन (एमएसयू) सँ सेहो लम्बा समय धरि जुड़ल रहल छथि। छात्र राजनीति आ सामाजिक गतिविधिमे सक्रिय रहला कारणेँ हुनका सभक स्थानीय युवामे नीक पकड़ मानल जाइत अछि।

पार्टी कार्यकर्तासभक कहब अछि जे बांकीपुर उपचुनावमे युवाशक्तिक सक्रिय भागीदारी आ लगातार जनसंपर्क अभियानक महत्वपूर्ण योगदान रहल। अंतिम परिणामक आधिकारिक घोषणा शेष अछि, मुदा रुझानसभसँ उत्साहित समर्थकसभ जीतक उत्सव मनाबए शुरू कऽ देने छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *