
मुंबई। भारतक सभसँ पैघ निजी एयरपोर्ट संचालक अडानी एयरपोर्ट होल्डिंग्स लिमिटेड (AAHL) केर पूर्ण स्वामित्वबला सहायक कंपनी अडानी एयरपोर्ट सिटी लिमिटेड (AACL) देशभरि मे आधुनिक इंटीग्रेटेड एयरपोर्ट सिटी विकसित करबाक महत्वाकांक्षी योजना शुरू केने अछि। एहि परियोजना पर पहिल चरणमे 20 हजार करोड़ रुपैयासँ बेसी निवेश कयल जाएत।
योजनाक तहत मुंबई, नवी मुंबई, अहमदाबाद, लखनऊ, जयपुर आ गुवाहाटी स्थित छहटा एयरपोर्टक आसपास लगभग 2.2 करोड़ वर्गफुट क्षेत्रमे होटल, शॉपिंग सेंटर, ऑफिस, मनोरंजन केंद्र, कन्वेंशन हॉल आ व्यावसायिक ढाँचा विकसित कयल जाएत।
655 एकड़सँ बेसी जमीन पर बनत एयरपोर्ट सिटी
कंपनीक अनुसार ई परियोजना पाँच राज्यक छह एयरपोर्ट पर फैसल 655 एकड़सँ बेसी जमीन पर विकसित कयल जाएत। एहिमे केवल मुंबई आ नवी मुंबई मे करीब 440 एकड़ जमीन शामिल अछि। कुल निवेशक लगभग 70 प्रतिशत हिस्सा मुंबई महानगर क्षेत्र (MMR) मे खर्च कयल जाएत।
एयरपोर्ट बनत आधुनिक शहरी केंद्र
नव एयरपोर्ट सिटी सभकेँ एहन ढंगसँ विकसित कयल जाएत जतय यात्री, व्यवसायी आ स्थानीय नागरिक एकहि परिसरमे होटल, कार्यालय, रिटेल स्टोर, भोजनालय, मनोरंजन केंद्र आ कन्वेंशन सुविधा केर लाभ उठा सकथि। एहि क्षेत्रकेँ एयरपोर्ट, मेट्रो आ शहरक परिवहन नेटवर्कसँ सहज रूपेँ जोड़ल जाएत।
जीत अडानी कहलनि— एयरपोर्ट आर्थिक विकासक केंद्र बनत
AAHL केर निदेशक जीत अडानी कहलनि जे दुनियाभरिक सफल एयरपोर्ट आब केवल हवाई यात्रा लेल नहि, बल्कि व्यापार, पर्यटन आ शहरी विकासक प्रमुख केंद्र बनि गेल अछि।
ओ कहलनि, “भारतमे विमानन क्षेत्र तेजीसँ विस्तार भऽ रहल अछि। एहन परिस्थिति मे एयरपोर्ट केवल उड़ानक केंद्र नहि रहत, बल्कि निवेश, रोजगार, बेहतर यात्री अनुभव आ शहरक दीर्घकालिक विकासक आधार बनत।”
विश्वस्तरीय एयरपोर्ट मॉडलसँ प्रेरित योजना
ई परियोजना सिंगापुरक चांगी एयरपोर्ट, दुबई इंटरनेशनल एयरपोर्ट, एम्स्टर्डमक शिफोल आ दक्षिण कोरियाक इंचियोन एयरपोर्ट जेकाँ विश्वस्तरीय एयरपोर्ट सिटी मॉडलसँ प्रेरित अछि। कंपनी वैश्विक डिजाइन आ इंजीनियरिंग विशेषज्ञक सहयोगसँ ई परियोजना तैयार कऽ रहल अछि।
भारतमे पहिल बेर आएत Kimpton होटल ब्रांड
योजनाक अंतर्गत अडानी एयरपोर्ट होल्डिंग्स IHG Hotels & Resorts संगे पाँचटा लक्जरी आ प्रीमियम होटल लेल होटल प्रबंधन समझौता केने अछि। एहि माध्यमसँ Kimpton होटल ब्रांड पहिल बेर भारतमे प्रवेश करत।
एकर अतिरिक्त कंपनी आतिथ्य, खानपान, रिटेल आ मनोरंजन क्षेत्रक कई राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय साझेदारक संग सेहो बातचीत कऽ रहल अछि।
पर्यावरण संरक्षण पर विशेष जोर
एयरपोर्ट सिटी परियोजनामे टिकाऊ विकास (Sustainability) केँ विशेष प्राथमिकता देल गेल अछि। सभ परियोजनाकेँ यूएस ग्रीन बिल्डिंग काउंसिल (USGBC) द्वारा LEED Gold Pre-Certification प्रदान कयल गेल अछि। ई प्रमाणपत्र ऊर्जा दक्षता, पर्यावरण संरक्षण, हरित निर्माण आ उच्च गुणवत्ता बला सार्वजनिक स्थानक विकास लेल देल जाइत अछि।
विश्वस्तरीय कंपनी सभ करथि सहयोग
परियोजनामे मास्टर प्लानिंग आ आर्किटेक्चर लेल Kohn Pedersen Fox (KPF), Benoy आ Znera Space, निर्माण लेल Larsen & Toubro (L&T), Tata Projects आ PSP Projects, जबकि परियोजना प्रबंधन आ परामर्श लेल CBRE, JLL आ Cushman & Wakefield जेकाँ प्रतिष्ठित कंपनी सभ जुड़ल छथि।
विशेषज्ञक अनुसार, ई परियोजना भारतक विमानन, पर्यटन, रियल एस्टेट आ शहरी विकास क्षेत्रमे नव आयाम जोड़त आ हजारों लोक लेल रोजगार तथा आर्थिक अवसर उत्पन्न करत।