पुणे। भगवद्गीताक श्लोक केवल कंठस्थ करब नहि, बल्कि ओकर जीवन दर्शनकेँ व्यवहारमे उतारबाक प्रेरणा देबाक उद्देश्यसँ पुणे स्थित चिन्मय विभूतिमे चिन्मय मिशनक राष्ट्रीय गीता पाठ प्रतियोगिता (CGCC) 2026 आयोजित भेल। एहि दू दिवसीय आयोजनमे 19 राज्यक 160 प्रतिभागी अपन प्रतिभा, अनुशासन आ भक्तिभावसँ कार्यक्रमकेँ यादगार बना देलनि।
एहि वर्ष प्रतियोगिताक पहुँच 3,215 विद्यालय आ चिन्मय मिशन केंद्रक माध्यमसँ लगभग 3.75 लाख छात्र-छात्रा धरि रहल। प्रतियोगिता छह आयु वर्गमे आयोजित कएल गेल, जाहिमे बच्चासभ भगवद्गीताक बारहम अध्याय ‘भक्ति योग’क श्लोक पाठ कयलनि।
राष्ट्रीय विजेतासभकेँ सम्मानित करैत चिन्मय मिशनक ग्लोबल हेड पूज्य स्वामी स्वरूपानंद कहलनि जे भगवद्गीता केवल ज्ञानक पुस्तक नहि, बल्कि जीवन जीबाक मार्गदर्शिका अछि। गीता पाठक वास्तविक सफलता पुरस्कार अथवा प्रतियोगिता जीतब नहि, बल्कि ओकर शिक्षाकेँ जीवनमे आत्मसात करब अछि।
स्वामी चिन्मयानंद द्वारा 1951 मे स्थापित चिन्मय मिशनक 75 वर्ष पूरा होबाक अवसर पर आयोजित एहि प्रतियोगिताक विशेष महत्व रहल। ‘पाठ करू, अध्ययन करू, बुझू आ जीवनमे उतारू’— एहि संदेशक संग मिशन बच्चासभमे एकाग्रता, अनुशासन, नैतिक मूल्य आ आध्यात्मिक चेतना विकसित करबाक प्रयास क’ रहल अछि।
आयोजनमे सांस्कृतिक प्रस्तुति, भजन, कथा-वाचन, कला गतिविधि आ मूल्य आधारित सत्र सेहो आयोजित कएल गेल। अभिभावक, शिक्षक, निर्णायक आ स्वयंसेवकसभक सहभागितासँ कार्यक्रम आध्यात्मिक शिक्षा आ संस्कारक सामूहिक उत्सव बनि गेल।
प्रतियोगिताक अंतरराष्ट्रीय फाइनल 20 आ 21 दिसंबर 2026 केँ चिन्मय विभूतिमे आयोजित होयत, जाहिमे भारत सहित विदेशक प्रतिभागी सेहो गीता पाठक एहि परंपरामे सहभागी बनताह।
गीता ज्ञान, संस्कार आ अनुशासनकेँ नव पीढ़ी धरि पहुँचयबाक एहि पहलकेँ आध्यात्मिक विरासतकेँ जीवंत बनयबाक महत्वपूर्ण प्रयास मानल जा रहल अछि।
