
मुंबई : बच्चासभक प्रतिभा आ आत्मविश्वासकेँ निखारएबाक दिशा मे एकटा अभिनव पहल करैत किड्ज़ेनिया इंडिया आ बिग एफएम मिलिकऽ एक विशेष बिग एफएम रेडियो स्टेशन केर शुभारंभ केने अछि। एहि माध्यम सँ बच्चा खेल-खेल मे रेडियोक दुनियासँ परिचित होएताह आ रेडियो जॉकी (आरजे) बनबाक अनुभव प्राप्त करताह।
एहि अनोखा पहलक उद्देश्य बच्चासभमे संवाद कौशल, आत्मविश्वास आ रचनात्मकताक विकास करब अछि। रेडियो स्टेशन पर बच्चा स्टूडियो जेकाँ वातावरण मे अपन आवाज़क जादू बिखेरताह आ रेडियो प्रसारणक मूलभूत जानकारी सेहो सीखताह।
किड्ज़ेनिया इंडियाक चीफ बिज़नेस ऑफिसर तरनदीप सिंह सेखों कहलनि जे बच्चासभ लेल प्रभावी संवाद एक अत्यंत महत्वपूर्ण जीवन कौशल अछि। हुनक अनुसार, बिग एफएम रेडियो स्टेशन बच्चासभकेँ अपन आवाज़क शक्ति बुझबाक आ आत्मविश्वासक संग अपन विचार व्यक्त करबाक अवसर प्रदान करत।
ओतहि बिग एफएमक सीईओ असीत कुकियन कहलनि जे एहि अनुभवक माध्यम सँ बच्चा मनोरंजक ढंग सँ रचनात्मकता, संवाद आ आपसी जुड़ावक महत्वकेँ बुझि सकताह। हुनका अनुसार, सीखबाक प्रक्रियाकेँ रोचक बनेनिहार एहि प्रकारक पहलमे सहभागी बनब गौरवक विषय अछि।
एहि गतिविधिक अंतर्गत बच्चासभ रेडियो जॉकीक भूमिका निभबैत स्टूडियो-जेकाँ माहौल मे लाइव बोलबाक रोमांचक अनुभव प्राप्त करताह। एकर संगहि ओ स्पष्ट अभिव्यक्ति, कहानी कहबाक कला आ श्रोतासभसँ प्रभावी संवाद स्थापित करबाक कौशल सेहो विकसित करताह।
किड्ज़ेनिया आ बिग एफएमक ई साझेदारी बच्चासभकेँ वास्तविक पेशागत दुनियासँ परिचित कराबैत हुनक भीतर भविष्यक सफल, आत्मविश्वासी आ रचनात्मक संचारक बनबाक प्रेरणा जगाबयक महत्वपूर्ण प्रयास मानल जा रहल अछि।