नई दिल्ली। भारत सरकार 1994 बैचक भारतीय पुलिस सेवा (आईपीएस) अधिकारी अनुराग कुमार केँ दिल्ली पुलिसक नव पुलिस कमिश्नर नियुक्त कएने अछि। ओ आब आईपीएस सतीश गोलचाक स्थान पर जिम्मेदारी संभालताह।
गृह मंत्रालय द्वारा जारी आदेशमे अनुराग कुमारक नियुक्तिक आधिकारिक जानकारी देल गेल अछि। एहि सँ पहिने ओ इंटेलिजेंस ब्यूरो (आईबी) मे स्पेशल डायरेक्टरक पद पर कार्यरत छलाह।
अनुराग कुमारक आंतरिक सुरक्षा आ खुफिया मामिलासभमे व्यापक अनुभव रहल अछि। मानल जा रहल अछि जे हुनकर नेतृत्वमे दिल्ली पुलिस कानून-व्यवस्था, सुरक्षा प्रबंधन आ राजधानीक महत्वपूर्ण आयोजनसभक दौरान सुरक्षा व्यवस्थाकेँ आओर प्रभावी बनाएबाक दिशा मे काज करत।
भारत सरकार वर्तमान दिल्ली पुलिस कमिश्नर सतीश गोलचा केँ एहि पदसँ हटा देने अछि। हालांकि, हुनकर अगिला पदस्थापना अथवा नव जिम्मेदारीक संबंधमे एखन धरि कोनो आधिकारिक जानकारी जारी नहि कएल गेल अछि।
