सोनी सब आ नीला फिल्म प्रोडक्शन्स ‘तारक मेहता का उल्टा चश्मा’क 18 वर्ष पूरा होएबाक खुशी मनौलक

मुंबई: भारतीय टेलीविजनक सभसँ लोकप्रिय आ सभसँ बेसी समय धरि चलऽ बला पारिवारिक हास्य धारावाहिक ‘तारक मेहता का उल्टा चश्मा’ अपन सफल प्रसारणक 18 वर्ष पूरा कए लेने अछि। एहि अवसर पर सोनी सबनीला फिल्म प्रोडक्शन्स एकटा भव्य 18-दिवसीय उत्सव शुरू कएलक अछि, जाहिमे दर्शक सभक लेल अनेक विशेष गतिविधि आयोजित कएल जाएत।

असित कुमार मोदी द्वारा नीला फिल्म प्रोडक्शन्सक बैनर तर बनाओल गेल ई धारावाहिक सोनी सब पर प्रसारित होइत अछि। बीतल 18 वर्षमे ई शो केवल मनोरंजन धरि सीमित नहि रहल, बल्कि भारतीय परिवारक जीवनक हिस्सा बनि गेल अछि। अपन सरल हास्य, पारिवारिक मूल्य, सामाजिक संदेश आ विविधतामे एकताक भावना सँ ई करोड़ों दर्शकक प्रिय बनल अछि।

18-दिवसीय उत्सवमे दर्शक सभ लेल विशेष आयोजन

एहि उपलब्धिक जश्नक अवसर पर फैन-आधारित अनुभव, देशव्यापी पारिवारिक प्रतियोगिता आ विशेष संस्करणक मर्चेंडाइज लॉन्च कएल गेल अछि। एहि माध्यम सँ दर्शक सभकेँ शोक संग आरो नजदीक जुड़बाक अवसर भेटत।

एनिवर्सरी उत्सवक अंतर्गत ओहि 40 प्रशंसक केँ सम्मानित कएल जाएत, जिनकर जन्मदिन 28 जुलाई केँ शो शुरू होएबाक तारीखिसँ मेल खाइत अछि। एकटा विशेष टीएमकेओसी फैन प्रतियोगिता सेहो आयोजित कएल जाएत, जाहिमे 18 विजेता परिवार केँ शो पर आधारित पूर्ण खर्च वहन कएल गेल विशेष अनुभव (All-Expense Paid Experience) देल जाएत।

नव रूपमे देखाइ देत गोकुलधाम सोसाइटी

शो आब अपन 19म वर्ष मे प्रवेश कए रहल अछि। एहि अवसर पर दर्शक सभकेँ गोकुलधाम सोसाइटीक नव रूप सेहो देखबाक अवसर भेटत। निर्माताक अनुसार, नव रूप आधुनिकता सँ भरल रहत, मुदा शोक मूल भावना—अपनापन, एकता आ पारिवारिक प्रेम—पहिनेक जकाँ बरकरार रहत।

सामाजिक संदेशक संग मनोरंजन

पछिला 18 वर्षमे ‘तारक मेहता का उल्टा चश्मा’ पर्यावरण संरक्षण, डिजिटल सुरक्षा, नागरिक जिम्मेदारी, सामाजिक सद्भाव जेकाँ अनेक महत्वपूर्ण विषयकेँ हास्यक माध्यम सँ दर्शक सभ लग पहुँचबैत रहल अछि। ई शो लगातार ई संदेश दैत रहल अछि जे मनोरंजनक संग समाजमे सकारात्मक बदलाव सेहो आनल जा सकैत अछि।

सोनी सब आ निर्माता व्यक्त कएलनि खुशी

सोनी सबक चीफ कंटेंट ऑफिसर अजय भालवंकर कहलनि जे ‘तारक मेहता का उल्टा चश्मा’ 18 वर्ष सँ परिवार सभकेँ एक संग जोड़ैत आबि रहल अछि। हुनका अनुसार ई शो लाखों घरमे खुशी, सकारात्मकता आ मनोरंजनक प्रतीक बनि गेल अछि। ओ दर्शक, कलाकार, तकनीकी टीम आ नीला फिल्म प्रोडक्शन्सक प्रति आभार व्यक्त कएलनि।

शोक निर्माता असित कुमार मोदी कहलनि जे 18 वर्ष पूरा करब हुनका लेल अत्यन्त भावुक क्षण अछि। हुनकर अनुसार ई शो एकटा साधारण विश्वास सँ शुरू भेल छल—हँसी लोककेँ जोड़बाक सभसँ पैघ माध्यम अछि। दर्शक सभक प्रेमे एहि शोकेँ भारतीय परिवारक रोजमर्रा जीवनक हिस्सा बना देलक। ओ कहलनि जे आगामी समयमे सेहो ई शो मुस्की, आशा आ अपनापनक संदेश दैत रहत।

18 वर्षक सफल यात्राक बाद ‘तारक मेहता का उल्टा चश्मा’ आब नव उत्साह, नव कथा आ नव अनुभवक संग अपन 19म वर्षमे प्रवेश कए रहल अछि।

दर्शक सभ ‘तारक मेहता का उल्टा चश्मा’ केँ सोनी सब पर सोमसँ शनि राति 8:30 बजे देख सकैत छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *