एक मायक सपना, चार बेटीक विवाह आ दू विपरीत सोचवला लोकनिक दिलचस्प प्रेम कहानी, जी टीवी पर शुरू होएत ‘शुभ शगुन शहनाइयां’

New Delhi : एक मायक सपना की केवल अपन चारि बेटीक धूमधाम सँ विवाह करायब आ हुनका लेल नीक घर-परिवार मे रिश्ता खोजब होइत अछि? अथवा ओ चाहैत छथि जे बेटीक जीवनसाथी एहन होथि, जे प्रेम देबाक संग हुनकर मान-सम्मान सेहो बनौने रखथि? एकटा मध्यमवर्गीय परिवार जीवनक तमाम कठिनाइ सभक बीच अपन संस्कार आ स्वाभिमान बचबैत आगू बढ़ैत अछि, तऽ ओकर कहानी कतेक रोचक भऽ सकैत अछि? एही सभ भाव, रिश्ता, सपना आ प्रेमक रंग लऽ जी टीवी अपना नव फिक्शन शो ‘शुभ शगुन शहनाइयां’ लऽ आबि रहल अछि।

भारतक नंबर 1 कोर प्राइम टाइम जीईसी चैनल जी टीवी, जाहि पर तीनटा स्लॉट लीडर शो प्रसारित होइत अछि, एहि नव धारावाहिकक माध्यम सँ दर्शक सभक सोझाँ एकटा एहन कहानी प्रस्तुत करत, जाहि मे मायक इच्छा आ दू बिल्कुल अलग सोचवला लोकक प्रेम कहानी देखए लेल भेटत।

लखनऊक खूबसूरत आ सांस्कृतिक रंग सँ भरल पृष्ठभूमि पर आधारित एहि कहानीक केंद्र मे छथि सुधा। ओ एकटा स्नेही आ पारंपरिक विचारवाली गृहिणी छथि, जिनकर सभसँ पैघ सपना अपन चारि बेटी आराधना, अमूल्या, अंकिता आ आयुषीक लेल नीक जीवनसाथी खोजब आ हुनका खुशहाल परिवार मे देखब अछि।

30 नवंबर 2026 सँ शुरू होए वाला ‘शुभ शगुन शहनाइयां’ सोम सँ शुक्र राति 10 बजे केवल जी टीवी पर प्रसारित होएत।

शो मे अमूल्या केर मुख्य भूमिका मे बृंदा दहल नजरि आएतीह। अमूल्या हँसमुख, बेबाक आ भावनात्मक रूप सँ मजबूत लड़की छथि। हुनकर सोच आधुनिक अछि, मुदा ओ अपन परिवारक संस्कार आ मूल्यसभ सँ गहींर जुड़ल छथि। ओ अपन बात कहए मे नहि हिचकैत छथि आ गलत बातक विरोध खुलि कऽ करैत छथि। जतए जाइत छथि, ओतए खुशहाली आ हर समस्याक कोनो-ने-कोनो समाधान लऽ पहुँचैत छथि।

अमूल्या मे कारोबारक नीक समझ सेहो अछि। ओ अपन मायक घर पर बनल नमकीन आ मिठाइक कारोबार केँ ऑनलाइन पहुँचाबय मे मदद करैत छथि। संगहि अपन बहिन आ परिवारक मान-सम्मानक रक्षा लेल सदिखन ढाल बनि ठाढ़ रहैत छथि।

दोसर दिस फहमान खान जी टीवी पर वापसी कऽ रहल छथि आ शो मे वेदांत विक्रम सिंह केर मुख्य भूमिका निभाओत। वेदांत तेज दिमागवला, अनुशासित आ अपन मेहनति सँ सफलता हासिल करय वाला कारोबारी छथि। हुनकर जीवनक मंत्र अछि, ‘आज नहीं तो कब? मैं नहीं तो कौन?’

बाहरक दुनिया लेल ओ सख्त, अपन भावना छिपा कऽ रखय वाला आ शेर जकाँ साहसी इंसान छथि। मुदा परिवारक बीच पहुँचते हुनकर सख्त अंदाज नरम पड़ि जाइत अछि। एहि रूप सँ पता चलैत अछि जे वेदांतक भीतर एकटा एहन इंसान सेहो छथि, जे अपन परिवार सँ बेहद प्रेम करैत छथि आ अपनो सभक चिंता करैत छथि।

भटनागर परिवारक भावनात्मक आधार छथि अनुभवी अभिनेत्री ज्योति मुखर्जी, जे सुधाक भूमिका निभा रहल छथि। सुधा एकटा एहन माँ छथि, जे समझदार आ व्यावहारिक होएबाक संग बच्चा जकाँ मासूमियत सेहो रखैत छथि। ओ अपन पति रघुनाथ (विश्वनाथ चटर्जी) संग घर संभालैत छथि आ गर्वक संग घरहि सँ कैटरिंग कारोबार सेहो चलबैत छथि। अपन बेटीक सभकेँ ओ ई सीख दैत छथि जे जीवन मे कोनो रिश्ता सँ बेसी महत्वपूर्ण अपन स्वाभिमान आ आत्मसम्मान होइत अछि।

अमूल्या आ वेदांतक सोच कारोबार सँ लऽ जीवन तक प्रत्येक मामिला मे एक-दोसर सँ बिल्कुल अलग अछि। एहि कारण दुनू बीच होए वाला टकराव आ जबरदस्त केमिस्ट्री दर्शक लेल काफी दिलचस्प होएत। एक दिस मायक सपना अछि जे चारू बेटीक विवाह नीक घर मे हो, तऽ दोसर दिस दू विपरीत सोचवला लोकक हाई-वोल्टेज प्रेम कहानी।

एहि दुनू रंग केँ एक संग लऽ जी टीवी मुंबई मे ‘शुभ शगुन शहनाइयां’ केर लॉन्च कयलक। एहि अवसर पर शो केर मुख्य कलाकार ज्योति मुखर्जी, फहमान खान, बृंदा दहल, विश्वनाथ चटर्जी आ स्वाति चिटनिस सहित पूरा स्टार कास्ट उपस्थित रहलथि। सभ कलाकार दर्शक सभकेँ शो केर दुनिया आ अपन-अपन किरदार सँ परिचित करौलनि।

बृंदा दहल कहलनि

शो मे अमूल्या केर भूमिका निभा रहल बृंदा दहल कहलनि, “अमूल्या जकाँ किरदार निभेनाइ हमरा लेल बहुत खुशीक बात अछि, किएक तँ ओ बेबाक छथि, कारोबारक समझ रखैत छथि आ हर परेशानीक कोनो-ने-कोनो उपाय निकालि लैत छथि। मुदा एहि सभक बीच ओ अपन परिवारक स्वाभिमान सँ कहियो समझौता नहि करैत छथि। एतेक अलग-अलग भावना समेटने शो केर हिस्सा बनब हमरा लेल बहुत खास रहल। हम चाहैत छी जे दर्शक अमूल्या केँ जानथि, हुनकर किरदार सँ जुड़थि आ हमरा सभक बनाओल एहि दुनियाकेँ अपन प्रेम देथि।”

फहमान खान कहलनि

वेदांतक भूमिका निभा रहल फहमान खान कहलनि, “‘शुभ शगुन शहनाइयां’ केर हिस्सा बनब हमरा लेल शानदार अनुभव रहल अछि। हमर किरदार अनुशासन आ अपन काज पर पूरा ध्यान देनिहार इंसान छथि। ओ अपन परिवार लेल बेहद वफादार छथि, भले अपन भावना आसानी सँ जाहिर नहि करैत छथि। एहि शो केर कहानी हमरा सभसँ बेसी पसंद आयल, किएक तँ एहि मे रिश्ता, परिवारक बदलैत समीकरण आ प्रेमसँ जुड़ल अनेक भावना केँ खूबसूरती सँ देखाओल गेल अछि। हम एहि नव शुरुआत लेल उत्साहित छी आ आशा करैत छी जे दर्शक एहि कहानी आ किरदार सभसँ ओतबे जुड़ताह, जतेक हम सभ पर्दा पर एहि सभकेँ जीवंत करैत जुड़ल छी।”

ज्योति मुखर्जी कहलनि

शो मे सुधाक भूमिका निभा रहल ज्योति मुखर्जी कहलनि, “सुधा जकाँ किरदार निभेनाइ हमरा लेल हृदय छूबय वाला अनुभव अछि। ओ अपन परिवारक सभसँ मजबूत कड़ी छथि। एकटा पारंपरिक आ समझदार माँ, जिनकर सभसँ पैघ सपना अपन चारू बेटीक खुशहाल आ सम्मानपूर्ण जीवन देखब अछि। एहि संग ओ गर्वक संग घर सँ अपन कैटरिंग कारोबार सेहो संभालैत छथि। सुधाक सभसँ प्यारा बात अछि हुनकर बच्चा जकाँ मासूमियत, अटूट विश्वास आ पति रघुनाथ संग हुनकर खूबसूरत रिश्ता, जाहि मे दुनू एक-दोसरकेँ बराबर सहयोग दैत छथि। हमरा लगैत अछि जे देशभरि केर माँ आ परिवार सुधाक रोजमर्राक खुशी, छोट-छोट चिंता आ परिवार लेल हुनकर निःस्वार्थ प्रेम मे अपन झलक जरूर देखत।”

रोचक कहानी, अपन जकाँ लगय वाला किरदार आ शानदार कलाकार सभसँ सजल ‘शुभ शगुन शहनाइयां’ दर्शकक हृदय सँ जुड़बाक प्रयास करत। सुधा अपन चारू बेटीक लेल देखल सपना पूरा करबाक बाट पर आगू बढ़तीह, तऽ दोसर दिस दू बिल्कुल अलग दुनिया आ सोचक बीच टकराव सेहो देखए लेल भेटत।

तऽ तारीख याद राखू—‘शुभ शगुन शहनाइयां’ केर प्रीमियर 30 नवंबर 2026 सँ होएत। एहि धारावाहिक केँ सोम सँ शुक्र राति 10 बजे केवल जी टीवी पर देख सकैत छी।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *