
नई दिल्ली। भारतीय प्रशासनिक सेवा के 1992 बैच के बिहार कैडर के अधिकारी चंचल कुमार सूचना एवं प्रसारण मंत्रालयक सचिवक कार्यभार संभाललनि। श्री कुमार पूर्वोत्तर क्षेत्र विकास मंत्रालय आ नागर विमानन मंत्रालय मे सचिव पद पर रहि चुकल छथि। ओ केंद्र मे आन कतेको शीर्ष पदसभ पर सेहो रहि चुकल छथि।
मधुबनी जिला निवासी चंचल कुमार बिहार सरकार मे कतेको जिला में जिला मजिस्ट्रेट रहलाक अतिरिक्त ओ मुख्यमंत्रीक प्रधान सचिव आ मुख्यमंत्रीक सचिव सहित कतेको महत्वपूर्ण पद पर रहि चुकल छथि।
मृदुभाषी, कर्मठ आ काजक प्रति कर्तव्यनिष्ठ श्री कुमार आईआईटी कानपुर सँ बी.टेक आ एम.टेकक डिग्री तथा पटना विश्वविद्यालय सँ अर्थशास्त्र में पीएचडीक उपाधि प्राप्त केने छथि।
सार्क जर्नलिस्ट फोरमक एक्जीक्यूटिव चेयरमैन डॉ. समरेंद्र पाठक सूचना एवं प्रसारण मंत्रालय में सचिव पदक कार्यभार संभालबाक लेल श्री कुमार के बधाई देलनि।
श्री पाठक कहलनि अछि जे श्री कुमार मिथिला मात्र नहि, बल्कि बिहार आ देशक गौरव छथि। ओ आशा व्यक्त केलनि जे श्री कुमारक कार्यकाल में देशक पत्रकार सभक हित मे सेहो महत्वपूर्ण काज होएत।