‘अम्मा’ के शव सऽ राति भरि लिपटल रहल बानर, बेंगलुरु में देखायल भावुक पल

बेंगलुरु: शोक, दुख आ खुशी के भावना मनुक्ख टा नहि, जानवरो महसूस करैत अछि। हालहि मे सोशल मीडिया पर एकटा बहुत भावुक वीडियो सामने आयल अछि। एहि वीडियो में एकटा बानर के एक महिला के मरला पर शोक मनाबैत देखल जा सकैत अछि। ओ महिला के लाश सऽ लिपटल अछि। कहल जाइत अछि कि ई महिला रोज बंदर के खाना खुआबैत छली, दुनू के बीच बहुत लगाव छल।

हार्ट अटैक सऽ 85 बरस के वी पर्वतम्मा के निधन भ’ गेल छल। ओ बहुत दिन सऽ बानर के एकटा झुंड के खाना खुआबइत छलीह। ई बानर सभ नजदीक के अंजनेय मंदिर सऽ गाम मे आबि जाइत छल।

जखन अंतिम दर्शन लेल पर्वतम्मा के पार्थिव शरीर घर पर राखल गेल, तऽ एकटा बानर ओतऽ आबि गेल। ओ भरि राति पार्थिव शरीर के सिरहाना मे बैसल रहल।

जखन ओकरा लगैत अछि कि महिला किछु प्रतिक्रिया नै दे रहल छथि, तऽ ओ माथा उठबैत अछि आ कखनो गाल के तऽ कखनो गला लग’ मुंह राखैत अछि। ओकरा लगैत अछि कि महिला किछु नै बाजि रहल छथि, तऽ ओ हुनकर चेहरा पर माथा राखि क’ सुत जाइत अछि। ओ बार-बार महिला सऽ लिपटैत अछि आ हुनकर सीना पर माथा राखि शांतिपूर्वक सुत जाइत अछि। वीडियो में बानर बहुत दुखी देखाइत अछि, ओकर आँखि मे नोर भरल अछि।

पर्वतम्मा के बेटी प्रेमाम्मा कहलनि, ‘बानर हमर माय के शरीर लग’ आबि गेल। ओ हुनका पर चढ़ि गेल आ गला लगा लेल। एहन लगैत छल जेना ओ कानि रहल हो।’ प्रेमाम्मा कहली जे जखन ओतऽ भीड़ जमा भ’ गेल, तखनहुँ ओ जानवर टस सऽ मस नै भेल। आधा राति के आसपास कियो ओकरा एकटा केला देलक। ओ ओकरा खा लेल आ फेर आबि क’ हमर माय के पास बैसि गेल आ भोर होए तक शव के लगे मे रहल। जखन परिवार के अंतिम संस्कार के रस्म पूरा करए के छल, तऽ हुनका बंदर के हटाबय लेल बहुत कोशिश कयल गेल। लेकिन ओ हटए लेल तैयार नै भेल।
अंततः हुनका एकटा साँप पकड़ए वाला के बजाबय पड़ल, जाहि सऽ ओ जानवर के सुरक्षित रूप सऽ ओतऽ सऽ हटायल जा सकय। बाद में ओ बानर के मंदिर के नजदीक छोड़ि देल गेल।

पर्वतम्मा अक्सर अपन पति वेंकटैया के संग अंजनेय मंदिर जाइत छली आ ओतऽ बानर सभ के खाना खुआबैत छली। पति के निधन के बाद आ चन्नापटना के नजदीक प्रेमाम्मा संग रहए लेल चलि गेलाक बादो, ओ बेर-बेर गाम आ मंदिर आबैत-जाइत रहली।

एहि अद्भुत ‘अंतिम विदाई’ के वीडियो हुनकर भतीजा अभिषेक आ गाम के किछु दोसर लोक सभ बनौने छल, आ तखन सऽ ई वीडियो सोशल मीडिया पर तेजी सऽ शेयर भ’ रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *