राज्यसभा मे नीतीश कुमार के एंट्री, 10 अप्रैल के शपथ; 14 के बाद बिहार मे नव सरकार के संकेत

नई दिल्ली/पटना : जेडीयू प्रमुख आ बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 10 अप्रैल के राज्यसभा सदस्य के रूप मे शपथ लेताह। सूत्रक अनुसार, अन्य नवनिर्वाचित सदस्य सेहो ओहि दिन शपथ ग्रहण करताह। एहि लेल नीतीश कुमार 9 अप्रैल के दिल्ली रवाना होताह।

जानकारी अनुसार, शपथ ग्रहण के बाद ओ 10 अप्रैल के साँझ या 11 अप्रैल के बिहान पटना लौटि सकैत छथि। एकर बाद हुनकर मुख्यमंत्री पद सँ इस्तीफा देबाक संभावना जतायल जा रहल अछि। मानल जा रहल अछि जे 14 अप्रैल के बाद बिहार मे नव सरकारक गठन भ’ सकैत अछि।

पिछला किछु समय सँ नीतीश कुमारक करीबी सहयोगी ई संकेत दैत रहल छथि जे संवैधानिक प्रावधान अनुसार कोनो व्यक्ति विधानसभा या विधान परिषदक सदस्य नहि रहला परो छह महीना तक मुख्यमंत्री पद पर रहि सकैत छथि। हालांकि, एखनक परिस्थिति मे एहन होइत नहि देखाइत अछि।

एहि बीच बिहार गृह विभाग आदेश जारी क’ स्पष्ट कएने अछि जे मुख्यमंत्री पद छोड़ला के बादो नीतीश कुमार के ‘जेड प्लस’ श्रेणी के सुरक्षा मिलैत रहत। विशेष शाखा द्वारा जारी निर्देश मे कहल गेल अछि जे राज्यसभा सदस्य बनला के बादो हुनकर सुरक्षा व्यवस्था यथावत रहत।

ई निर्णय बिहार विशेष सुरक्षा अधिनियम, 2000 के तहत हुनकर सुरक्षा आवश्यकता के समीक्षा के बाद लेल गेल अछि। आदेश मे पुलिस महानिदेशक आ विशेष शाखा के उच्चतम स्तर के सुरक्षा सुनिश्चित करबाक निर्देश देल गेल अछि।

गौरतलब अछि जे ‘जेड प्लस’ श्रेणी देशक सबसे उच्च सुरक्षा व्यवस्था मानल जाइत अछि, जे प्रधानमंत्री, राष्ट्रपति आ अन्य वरिष्ठ नेता सभ के देल जाइत अछि। एहि सुरक्षा मे निजी सुरक्षा अधिकारी (PSO), सशस्त्र गार्ड, एस्कॉर्ट वाहन आ 24 घंटा निगरानी सहित करीब 55 सुरक्षा कर्मी शामिल रहैत छथि।

उल्लेखनीय अछि जे नीतीश कुमार 16 मार्च के राज्यसभा लेल निर्वाचित भेल छलाह आ 30 मार्च के बिहार विधान परिषद सँ इस्तीफा देलनि। राज्यसभा मे हुनकर एंट्री के बिहारक राजनीति मे एकटा महत्वपूर्ण बदलाव के संकेत मानल जा रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *