रणबीर कपूरक लुक देख फैंस भेल भावुक

मुंबई : भारतीय सिनेमा कऽ सबसे महत्वाकांक्षी प्रोजेक्ट सभ मे शामिल फिल्म रामायणम् अपन पहिल झलक सँ दर्शकक दिल मे गहिर छाप छोड़ि देलक अछि। निर्माता नमित मल्होत्रा आ निर्देशक नितेश तिवारीक एहि भव्य प्रस्तुति मे ‘राम’ कऽ रूप मे रणबीर कपूरक शांत, तेजस्वी आ प्रभावशाली अवतार देखए लेल भेटल, जाहिसँ सोशल मीडिया पर जबरदस्त चर्चा शुरू भऽ गेल अछि।

फिल्म केवल एकटा पौराणिक कथा नहि, बल्कि मूल्य, त्याग आ कर्तव्यक गहराई कें आधुनिक सिनेमाई भाषा मे प्रस्तुत करबाक प्रयास अछि। ‘मर्यादा पुरुषोत्तम’ रामक कथा कें नव दृष्टिकोण सँ देखाबैत, फिल्म हुनकर मानवीय संघर्ष, निर्णय आ ओकर परिणाम कें प्रमुखता सँ उजागर करैत अछि।

रणबीर कपूर एहि भूमिका कें एकटा सीख आ आध्यात्मिक अनुभव बतौने छथि, जखनकि निर्देशक नितेश तिवारी एकरा भावना आ जिम्मेदारी सँ भरल कहानी कहलनि। हाई-एंड विजुअल इफेक्ट्स आ वैश्विक स्तरक प्रस्तुति संग रामायणम् भारतीय संस्कृति कें विश्व मंच पर नव अंदाज मे प्रस्तुत करबाक तैयारी मे अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *