
नई दिल्ली। राजधानी दिल्लीक प्राइवेट स्कूल आब अभिभावक पर कोनो विशेष दुकानदार सँ किताब आ ड्रेस खरीदबाक दबाव नहि बना सकैत अछि। शिक्षा निदेशालय किताब, यूनिफॉर्म आ अन्य शैक्षणिक सामग्री के बिक्री के संबंध में सख्त दिशानिर्देश जारी केलक अछि। स्कूल लेल अपन नजदीकी कम सँ कम पाँच विक्रेता के नाम, पता आ फोन नंबर के जानकारी सार्वजनिक केनाई अनिवार्य क’ देल गेल अछि, जतऽ सँ छात्र किताब आ यूनिफॉर्म खरीद सकैत छथि। एतबे नहि, बताएल गेल विक्रेताक अलावा सेहो अभिभावक अपन सुविधा के अनुसार कोनो दोसर उपलब्ध दुकान सँ किताब आ यूनिफॉर्म खरीद सकैत छथि।
स्कूल के इहो निर्देश देल गेल अछि जे तय सिलेबस के अतिरिक्त कोनो चीज खरीदबाक दबाव नहि बनाओल जाए।निदेशालय स्पष्ट केलक अछि जे स्कूल आ प्रधानाचार्य के ई निर्देश देल गेल अछि जे छात्र आ अभिभावक पर निर्धारित पाठ्यक्रम के अतिरिक्त दोसर सामग्री खरीदबाक लेल अनावश्यक दबाव नहि देल जाय।
एतबा नहि स्कूल एक बेर तय भऽ गेल यूनिफॉर्म के रंग आ डिजाइन कम सँ कम अगिला तीन साल धरि नहि बदलि सकैत अछि।