
नई दिल्ली। भारतक प्रमुख ऑन-डिमांड सुविधा प्लेटफॉर्म स्विगी लिमिटेड फुल-स्टैक सॉवरेन AI कंपनी सरवम संगे रणनीतिक साझेदारी क’ देशमे पहिल बहुभाषी वॉयस-आधारित कॉमर्स सेवा शुरू करबाक घोषणा केने अछि। ई नब सुविधा स्विगीक फूड डिलीवरी, इंस्टामार्ट आ डाइनआउट प्लेटफॉर्म पर उपलब्ध रहत, जाहि सँ आब उपभोक्ता अपन मनपसंद भाषा मे बोलि क’ ऑर्डर दे सकत।
ई पहल अंतर्गत सरवमक उन्नत AI तकनीकक उपयोग क’ वॉयस ऑर्डरिंग सुविधा देल गेल अछि। आब ग्राहक केवल बोलि क’ भोजन वा किराना सामान मंगवा सकैत छथि, जत’ प्रोडक्ट खोज, ऑर्डर देनाय आ भुगतान तकक पूरा प्रक्रिया AI द्वारा संचालित होएत।
डिजिटल भुगतान क्षेत्रमे सेहो ई सेवा मजबूत बनाओल गेल अछि। रेज़रपे UPI रिज़र्व पे माध्यम सँ सुरक्षित आ सहज एजेंटिक पेमेंट सुविधा देब’ वाला पहिल प्लेटफॉर्म बनि गेल अछि।
भारतक भाषाई विविधताक लेल नब समाधान
भारत जेकाँ बहुभाषी देशमे अधिकांश डिजिटल कॉमर्स सेवा एखनहुँ सीमित भाषा धरि सीमित अछि। स्विगी आ सरवमक ई साझेदारी एहि अंतर के भरबाक दिशा मे एक महत्वपूर्ण कदम मानल जा रहल अछि।
नई दिल्लीमे आयोजित India AI Impact Summit मे एहि तकनीकक लाइव प्रदर्शन कएल गेल, जत’ इंस्टामार्ट लेल फोन कॉल द्वारा ऑर्डर देबाक सुविधा देखाओल गेल। खास बात ई अछि जे उपयोगकर्ता बिना ऐप डाउनलोड केने आ बिना इंटरनेट सेहो कॉल क’ माध्यम सँ ऑर्डर क’ सकैत छथि।
एहिसँ अतिरिक्त, स्विगी सरवमक चैट प्लेटफॉर्म Indus पर लॉन्च होए वाला पहिल कॉमर्स प्लेटफॉर्म सेहो बनि गेल अछि, जाहि सँ बहुभाषी उपयोगकर्ताकेँ संवाद-आधारित अनुभव भेटत।
11 भारतीय भाषामे उपलब्ध होएत सुविधा
सरवमक वॉयस मॉडल भारतीय भाषाक व्यापक डेटा पर प्रशिक्षित अछि, जाहि सँ हिंदी, तमिल, तेलुगु, कन्नड़, बंगाली आ मराठी सहित 11 भाषामे सहज संवाद संभव भ’ सकत। आब उपयोगकर्ता अपन भाषा मे बोलि क’ भोजन ऑर्डर, डाइनआउट लेल टेबल बुक आ इंस्टामार्ट पर खरीदारी क’ सकत छथि।
अधिकारी सभक प्रतिक्रिया
स्विगीक चीफ टेक्नोलॉजी ऑफिसर मधुसूदन राव कहलनि जे कंपनीक उद्देश्य हर भारतीय तक ओकर भाषा मे सेवा पहुँचना अछि। हुनका अनुसार ई पहल ‘India-first’ डिजिटल अनुभव के मजबूत करत।
सरवमक सह-संस्थापक प्रत्युष कुमार कहलनि जे भारत एक “वॉयस-फर्स्ट” देश अछि आ आब करोड़ों नव उपयोगकर्ता अपन भाषा मे AI अनुभव करत। ई साझेदारी एहि दिशा मे एक महत्वपूर्ण कदम अछि।
रेज़रपेक चीफ प्रोडक्ट ऑफिसर खिलन हरिया कहलनि जे भविष्यक डिजिटल कॉमर्स अधिक सहज आ उपयोगकर्ता-केंद्रित होएत, जत’ AI उपयोगकर्ताक जरूरत बुझि क’ बिना बाधा लेन-देन पूरा करत।
कॉमर्सक नब युगक शुरुआत
ई साझेदारी भारतमे डिजिटल कॉमर्सक नब युगक शुरुआत मानल जा रहल अछि, जत’ भाषा आब बाधा नहि बल्कि सुविधा बनत। वॉयस-आधारित आ AI संचालित ई सेवा तकनीक के सरल बनाओत आ देशक करोड़ों लोककेँ डिजिटल अर्थव्यवस्था सँ जोड़बा मे महत्वपूर्ण भूमिका निभाओत।