
मुंबई : मुंबई मे न्यूरो चिकित्सा क्षेत्र मे एकटा महत्वपूर्ण पहल करैत Fortis Healthcare न्यूनतम आक्रमक मस्तिष्क आ रीढ़ (स्पाइन) सर्जरी संस्थानक उद्घाटन केलक। ई पहल पहिल वार्षिक न्यूरोसाइंसेज़ कॉन्क्लेवक दौरान भेल, जतय देशभरक विशेषज्ञ सभ भाग लैत आधुनिक न्यूरोलॉजी आ न्यूरोसर्जरी मे होइत बदलाव पर विस्तार स चर्चा केलनि।
ई अत्याधुनिक संस्थानक नेतृत्व डॉ. जयेश सरधारा कऽ हाथ मे छै, जे न्यूनतम आक्रमक तकनीकक माध्यम स जटिल न्यूरोलॉजिकल आ स्पाइन रोगक इलाज मे नव दिशा देबाक प्रयास करताह। कॉन्क्लेवक विषय “एडवांस्ड न्यूरोसाइंसेज पर वर्तमान अपडेट” रहल, जाहि मे स्ट्रोक मैनेजमेंट, न्यूरो-ऑन्कोलॉजी आ न्यूरो-क्रिटिकल केयर जेकाँ महत्वपूर्ण विषय सभ पर गहन विमर्श भेल।
डॉ. जयेश सरधारा कहलनि, “न्यूनतम आक्रमक न्यूरोसर्जरी भविष्यक दिशा अछि, जतय सटीकता आ आधुनिक तकनीक मरीज सभ कें तेज रिकवरी आ बेहतर परिणाम दैत अछि।” ओहिना, डॉ. विशाल बेरी एहि पहल कें चिकित्सा उत्कृष्टता आ सहयोगात्मक सीखक मजबूत मंच बतबैत कहलनि, “एहन कॉन्क्लेव स विशेषज्ञ सभक बीच ज्ञानक आदान-प्रदान होइत अछि, जे सीधे मरीजक बेहतर देखभाल मे मददगार साबित होइत अछि।”
डॉ. एस. नारायणी सेहो एहि आयोजन कें नवाचार आ ज्ञान साझाकरण कें बढ़ावा देनिहार महत्वपूर्ण कदम बतौलनि। ई दू दिनक सम्मेलन न सिर्फ विशेषज्ञ सभक बीच संवादक मंच बनल, बल्कि भारत मे न्यूरोसाइंस देखभाल कें नव ऊंचाई पर लए जाएबाक दिशा मे एकटा सशक्त पहल साबित भेल।