
नई दिल्ली: ग्रामीण विकास मंत्रालय संसद मे जानकारी दैत कहलकि सरकार ग्रामीण महिला-नेतृत्व वाला उद्यम के सशक्त बनाब’ लेल ‘स्वयं सहायता उद्यम मार्ट’ (शी-मार्ट) नामक नव पहल के घोषणा केने अछि। एहि मार्ट के परिकल्पना एकटा संगठित खुदरा प्लेटफॉर्मक रूप मे कएल गेल अछि, जतय स्वयं सहायता समूह (एसएचजी) सँ जुड़ल महिला सभ द्वारा बनाओल उत्पाद के प्रदर्शन कएल जा सकत अछि आ सीधे उपभोक्ता सभ के बेचाओल जा सकत अछि।
एहि पहलक मुख्य उद्देश्य बाजार सँ बेहतर जुड़ाव स्थापित करब, स्थानीय उत्पाद के दृश्यता बढ़ेब, एसएचजी संस्थान सभ के मजबूत करब आ महिला उद्यमी सभ के अपन व्यवसाय के विस्तार क’ बड़ स्तर तक ल’ जाए मे सक्षम बनाब’ अछि।
दीनदयाल अंत्योदय योजना–राष्ट्रीय ग्रामीण आजीविका मिशन (DAY-NRLM) के अंतर्गत ‘शी-मार्ट’ पहल बाजार पहुंच आ क्षमता निर्माण के सुविधा प्रदान करैत अछि, जाहि सँ महिला सभ टिकाऊ उद्यम स्थापित क’ सकथि।
ग्रामीण विकास राज्य मंत्री Dr. Chandra Sekhar Pemmasani जानकारी दैत कहलनि जे सरकार क्लस्टर स्तरक संघ सभ के भीतर समुदाय-स्वामित्व वाला खुदरा आउटलेटक रूप मे ‘शी-मार्ट’ स्थापित करबाक घोषणा केने अछि। एहि लेल संवर्धित आ नवाचार आधारित वित्तीय साधन के उपयोग कएल जायत। हालांकि एखन तक एहि योजना लेल कवनो निधि स्वीकृत या व्यय नहि कएल गेल अछि।
मंत्री Dr. Chandra Sekhar Pemmasani ई जानकारी सांसद Etela Rajender क प्रश्न के उत्तर मे देलनि।
ई पहल ग्रामीण अर्थव्यवस्था के मजबूती देबाक संगहि महिला सशक्तिकरण दिशा मे एकटा महत्वपूर्ण कदम मानल जा रहल अछि, जाहि सँ देश भरि के लाखों महिला सभ के आत्मनिर्भर बनेबाक अवसर भेटत।