Indian Railway के नया टिकट रिफंड नीति लागू, कैंसिलेशन पर यात्री के लागत बड़का झटका

नई दिल्ली।  Indian Railways अपन टिकट आ रिफंड नीति मे व्यापक बदलाव करैत नव नियम लागू केने अछि। एहि बदलावक मुख्य उद्देश्य टिकट के कालाबाजारी पर रोक लगाबय आ प्रणाली के अधिक पारदर्शी बनाबय अछि। नव नियम अनुसार, आब टिकट कैंसिलेशन पर यात्री सभ के कम रिफंड भेटत, जाहि सँ आम यात्री के जेब पर असर पड़ि सकैत अछि।

नव नीति अनुसार, निर्धारित प्रस्थान समय सँ 8 घंटा सँ कम समय पहले टिकट रद्द करबा पर कवनो रिफंड नहि भेटत। जँ यात्री 24 घंटा सँ 8 घंटा पहले टिकट रद्द करैत छथि, तऽ ओहि स्थिति मे मात्र 50 प्रतिशत रिफंड देल जायत। वहीं, 72 घंटा सँ 24 घंटा पहले टिकट कैंसिलेशन पर 75 प्रतिशत रिफंड भेटत। पहिने 72 घंटा पहले तक टिकट रद्द करबा पर पूरा रिफंड मिलैत छल, मुदा आब एहि मे कटौती कएल गेल अछि।

रेलवे ऑफलाइन टिकट धारक सभ लेल सेहो सुविधा बढ़ौने अछि। आब यात्री कवनो सेहो रेलवे स्टेशन सँ अपन टिकट रद्द क’ सकैत छथि, चाहे टिकट ककरो दोसर स्टेशन सँ कियैक नहि बुक भेल हो। एकर अतिरिक्त, यात्री आब टिकट पर दर्ज प्रस्थान स्टेशन के बाद के कवनो स्टेशन सँ ट्रेन पकड़ि सकैत छथि।

मोबाइल तकनीक के बढ़ावा दैत रेलवे अपन ऐप मे सेहो नव सुविधा जोड़ने अछि, जाहि मे यात्री अपन बोर्डिंग पॉइंट आसानी सँ अपडेट क’ सकैत छथि। एकर संग-संग, ट्रेन रवाना होए सँ पहले कोच अपग्रेड करबाक विकल्प सेहो उपलब्ध कएल गेल अछि।

नव नियम अनुसार, यात्री ट्रेन प्रस्थान सँ 30 मिनट पहले तक अपन कोच श्रेणी बदलि सकैत छथि। मतलब जे जँ ककरो थर्ड एसी मे टिकट अछि आ फर्स्ट एसी मे सीट खाली अछि, तऽ ओ अतिरिक्त भुगतान क’ उच्च श्रेणी मे यात्रा क’ सकैत छथि।

रेलवे के ई नव पहल यात्री सुविधा आ टिकट प्रणाली के सुधार दिस एक महत्वपूर्ण कदम मानल जा रहल अछि, हालांकि कैंसिलेशन नियम मे कड़ाई सँ कुछ यात्री प्रभावित होए के संभावना सेहो अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *