दिल्ली मे मैथिली नाटक “सुनिते करैए हरान / पाँच पत्र”

नितेश कुमार झा

विगत 26 जनवरी 2021 क’ नरेंज्यान सभागार, दिल्ली मे मैथिलीक क्लासीक रचना हरिमोहन झा’क “पाँच पत्र” पर आधारित मैथिली नाटक “सुनिते करैए हरान” के मंचन अछिञ्जल संस्था द्वारा काएल गेल। एकर नाट्य रूपान्तरण केने छथि महेंद्र मलंगिया। हरिमोहन बाबू द्वारा पत्रक माध्यम स’ जे किछु कहने छथिंह वा मलंगियाजी प्रस्तुति आलेख मे जे किछु दर्शेने छथिंह ओहि मर्म के मंच पर चित्रित करबा मे सफल भेलाह अछिञ्जल के कलाकारगण।

नाटकक मे पांच गोट पत्र मे आबद्ध एक गोट जीवन छैक l पत्रक मादे नाटक एकटा दम्पतिक सम्पूर्ण जीवनक विविध रूप प्रस्तुत क’ रहल अछि। श्रृंगार, प्रेम, हास्य, मेल-विछोह आदि आदि जीवनक विविध राग-रंग, रस आ ओहि में सनिहायल दुविधा, कष्ट, कठिनाई सबहक सुन्नर संयोजन अहि नाटकक आत्मा अछिl कहानी आ नाटक दुनू माध्यम में जे कथ्य आ बिम्ब अछि ओकरा प्रभावी शिल्प देबाक प्रयास काएल गेल अछिl पात्र, काल, चरित्र-चित्रांकन, कथाक प्रवाह आकि घटना-क्रम मिथिलाक सामान्य जीवनक झांकी जंका अछि मुदा सम्पूर्ण जीवन के एकटा निश्चित कालखंड में नाट्यानुभव केनाय किछु विशेष छलैकl पात्रक जीवन के रूप-रंग-राग-रस-रुदन आ ओहि में नुकायल संगीतl संभवतः रचयिता आ संप्रेषकक इ अनुभव पूर्ण आ अद्भुत भ गेलैक जखन ओहि भावनाक प्रवाह के प्रेक्षकक संग भेट जाइत छैक। एकटा अति-साधारण कथा, सामान्य लोक-जन, सामान्य जीवन, सबटा गप्प-व्यवहार साधारण मुदा ओकर भावना-वेदना-संवेदना अत्यंत नवीन-नूतन-मर्मस्पर्शी आ तैं इ अनुभव कुल-मिलाक’ विशेष भ जाइत छैक। लेखकद्वय जे देलनि अछि, संप्रेषकगण ओकरा प्रेक्षक लोकिन धरि खूब नीक जेकाँ पहुंचाब’ मे सफल रहलाह देवकृष्ण के रूप मे काश्यप कमल, राधाक रूप मे सुनीता झा आ बंगट के रूप मे भगवान झा।

पाँच पत्रक नाटकीय मूल्य आ नाटकीय तत्व के मंचक सीमा मे बेहतरीन समावेश काएल गेल छल नाटकक निर्देशक अभिषेक देवनारायन द्वारा। अहि प्रस्तुतिक निर्देशन पक्ष सेहो बेसी उत्साहित केलक। संगीत निर्देशन छल विनय शास्त्री के। प्रकाश छल मुकेश झा के आ मेकअप छल प्रसून नारायण के। गायन मे विनय शास्त्री, पुष्पा प्रिया झा, कल्याणी झा, चाँदनी पण्डित छलथि। मंच पार्श्व मे यदुवीर भारती, मुकेश झा “मिकू”, राजेश कुमार बेनी, कविता झा, मुश्कान, बजरंग मण्डल, श्यामा चरण झा आ प्रशांत मण्डल आदिक सहयोग छल।
राधाक अभिनय केनिहारि सुनीता झाक अभिनय देखि लागल जे मैथिली रंगमंच के एकटा सशक्त अभिनेत्री हाथ लागल जे सुखद अछि।

(नितेश कुमार झा)

One thought on “दिल्ली मे मैथिली नाटक “सुनिते करैए हरान / पाँच पत्र”

  1. Great work and really Proud full moment for all the Bhatsimar Villagers Thanks and Congratulations Nitesh Jha (Chachu) for your excellent writing keep it up💐🙏

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *