मैसाम (मैथिली साहित्य महासभा)सँ पूर्णतया मुक्त भेलाह अध्यक्ष आदरणीय अमरनाथ झा

नई दिल्ली। मैथिली साहित्यक उत्थान प्रचार प्रसार हेतु समर्पित संस्थामे एकटा जानल मानल नाम अछि दिल्लीक “मैसाम”। सालमे दू गोट विशिष्ट आयोजन करैत रहल अछि। संस्थाक निर्माण 2015मे भेल अछि आ तहिएसँ सालमे दू गोट साहित्यिक कार्यक्रम करबाक निर्णय सँग संस्था लगातार एकल व्याख्यानमाला, समसामयिक विषय पर संगोष्ठी, युवा पुरुस्कार, वसन्तोत्सव आदि सभ हर्षोल्लास सँग आयोजित करैत रहल।

जहियासँ संस्थाक निर्माण भेल तहियासँ एखन धरि संस्था प्रमुख अर्थात अध्यक्ष अमरनाथ झा छलाह आ ओ चाइनाक राष्ट्राध्यक्ष ‘शी जिनपिंग’ जकाँ आजीवन पद पर बनल रहबाक जोगारमे सदैव लागल रहलाह। मुदा दुर्भागवश उनटा पड़ि गेलनि। एहि क्रममे बहुतो साहित्य प्रेमीकेँ अपन बाधा बुझि साफ करैत रहलाह। एहि महामारीक सिकार हम स्वयं सेहो रहल छी। आ एहिबेर विस्वस्त सूत्रसँ जानकारी भेटल जे सफाई करैत करैत स्वयं साफ भS गेलाह। आ नहि केवल अध्यक्ष पदसँ अपितु प्राथमिक सदस्यतासँ सेहो।

ओना हुनकर कार्यकालमे भेल आयोजन आदिकेँ नकारल नहि जा सकैए। मैसाम हुनक अध्यक्षतामे उत्तम साहित्यिक काज कएलक अछि। मुदा पदलोलुपताक कारण संस्थामे असंतोष बढ़ल आ फेर स्वयंकेँ पलायन करबा पर विवश भS गेलाह। हालिया बैसारमे हुनकर उपस्थिति नहि देखि मनमे संदेह भेल तखन सभटा बात संज्ञानमे आएल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *