तिरुक्कुरल : कालजयी ज्ञानक धरोहर, काशी आ तमिलनाडुक बीच सांस्कृतिक सेतु

चमू कृष्ण शास्त्री (अध्यक्ष, भारतीय भाषा समिति)

किछु पुस्तक अपन समय आ समाजक आवश्यकताकेँ ध्यान मे राखि लिखल जाइत अछि, मुदा किछु एहन कालजयी रचना होइत अछि, जाहि सभक संवाद सदियौँ धरि पीढ़ी-दर-पीढ़ी निरंतर बनल रहैत अछि। तमिल कवि आ महान दार्शनिक तिरुवल्लुवर द्वारा रचित ‘तिरुक्कुरल’ एहनहि एकटा अमूल्य कृति अछि।

तिरुक्कुरलक 1,330 दोहा मे मानव जीवनक मौलिक सिद्धांत आ आदर्श सभक अत्यंत सरल, सारगर्भित आ प्रभावशाली वर्णन भेटैत अछि। ईमानदारीपूर्वक जीवन जीबय, अपन कर्तव्य आ दायित्वक निर्वहन करय, विवेकपूर्ण नेतृत्व करय, दोसरक प्रति संवेदनशील आ सद्भावनापूर्ण व्यवहार रखय तथा समाजक प्रति अपन जिम्मेदारी बुझय जेकाँ महत्वपूर्ण विषय सभ पर ई ग्रंथ मार्गदर्शन प्रदान करैत अछि।

एहि महान रचनाक विशेषता ई अछि जे रचनाकाल सँ आइ धरि समय भले बदलि गेल हो, मुदा एहि मे निहित जीवन-मूल्य आ शिक्षा आइयो ओतबे प्रासंगिक अछि। एही कारण तिरुक्कुरल केवल तमिल साहित्यक धरोहर नहि, बल्कि सम्पूर्ण मानवताक लेल ज्ञान, नैतिकता आ जीवन-दर्शनक एकटा अमूल्य स्रोत अछि।

तिरुक्कुरलक एही कालजयी प्रासंगिकता एकरा काशी तमिल संगममक पाँचम संस्करणक प्रमुख केंद्रबिंदु बनबैत अछि। ‘तिरुक्कुरल पयिल्वोम – आउ, तिरुक्कुरल सीखू’ विषयवस्तु पर आयोजित ई पहल एहि महान तमिल ग्रंथ मे निहित ज्ञान आ जीवन-दर्शन केँ व्यापक जनसमुदाय तक पहुँचयबाक प्रयास अछि। एहि संग एकर उद्देश्य काशी आ तमिलनाडुक बीच सदियों पुरान सांस्कृतिक, बौद्धिक आ आध्यात्मिक संबंध सभकेँ उत्सवक रूप मे अभिव्यक्त करब सेहो अछि।

भारतीय सभ्यताक एहि दुनू प्राचीन केंद्रक बीच संबंध आध्यात्मिक यात्रा, विद्वता, साहित्य, दर्शन आ विचारक आदान-प्रदानक माध्यम सँ विकसित भेल अछि। काशी दीर्घकाल सँ ज्ञान आ आध्यात्मिक समझक खोज करयवला लोक सभकेँ अपन दिस आकर्षित करैत रहल अछि, जखन कि तमिलनाडु भारतक साहित्यिक, दार्शनिक आ सांस्कृतिक परंपरा सभमे असाधारण योगदान देलक अछि।

एकटा एहन कालजयी रचना, जे प्रत्येक पीढ़ीसँ जुड़ल अछि

तिरुक्कुरल केर महानता एकर विचारक सार्वभौमिकता में निहित अछि। एकर 1,330 दोहा तीन खंड में विभाजित अछि—अरम (सदाचार), पोरुल (धन आ शासन) आ इनबम (प्रेम)। ई मानव जीवनक व्यापक समझ प्रदान करैत अछि। एहि में व्यक्तिगत आचरण, पारिवारिक संबंध, सामाजिक उत्तरदायित्व, नेतृत्व, शासन-कला आ ओहि मूल्य सभक चर्चा कएल गेल अछि, जे एकटा सामंजस्यपूर्ण समाजक आधार होइत अछि। तिरुवल्लुवर रोजमर्राक निर्णय सभ में एहन ज्ञान पिरोने छथि, जे मनुष्यक चरित्र निर्धारित करैत अछि। हुनकर शिक्षा एहि बात पर विशेष जोर दैत अछि जे धनक अर्जन नैतिक तरीका सँ होयबाक चाही, सत्ताक उपयोग जिम्मेदारीक संग होयबाक चाही, ज्ञानसँ विवेक आ समझ विकसित होयबाक चाही तथा संबंध सभक आधार करुणा आ परस्पर सम्मान पर टिकल रहबाक चाही।

युवा भारत धरि तिरुवल्लुवरक ज्ञान आ विचार पहुँचेबाक प्रयास

काशी तमिल संगमम 5.0 केर एकटा प्रमुख उद्देश्य युवा पीढ़ी केँ तिरुवल्लुवरक विचार आ जीवन-दर्शनसँ जोड़ब अछि। एहि क्रम में देश भरिक 1,000 उच्च शिक्षण संस्थान सभक सहभागितासँ एकटा व्यापक कार्यक्रम आयोजित कएल जायत। एहि पहलका माध्यमसँ विद्यार्थीकें तिरुक्कुरल पढ़बाक आ ओहि में निहित सिद्धांत सभकेँ वर्तमान समयक चुनौती सभक संदर्भ में बुझबाक तथा अपन जीवन में उतारबाक लेल प्रोत्साहित कएल जायत।

ई पहल शास्त्रीय साहित्यकेँ मात्र अकादमिक अध्ययन आ औपचारिक प्रशंसा धरि सीमित नहि रखैत, बल्कि ओकरा दैनिक जीवनक निर्णय सभसँ जोड़बाक प्रयास अछि। जटिलता आ प्रतिस्पर्धासँ भरल दुनियामे प्रवेश करबाक तैयारी कऽ रहल विद्यार्थीक लेल तिरुक्कुरल में जीवनक अनेक महत्वपूर्ण संदेश समाहित अछि। अनुशासन, दृढ़ संकल्प, निरंतर मेहनत, ईमानदारी, विनम्रता आ उत्तरदायित्वपूर्ण आचरण पर एकर विशेष जोर युवासभकेँ ई बोध करबैत अछि जे चरित्रक बिना कोनो उपलब्धि अधूरा रहैत अछि। संगहि, व्यक्तिगत प्रगति तखने सार्थक होइत अछि, जखन ओकरा संग सामाजिक दायित्वक निर्वहन सेहो जुड़ल हो।

एकटा सार्वभौमिक ग्रंथकेँ प्रत्येक भारतीय धरि पहुँचेनाइ

‘तिरुक्कुरल’ राष्ट्रीय साहित्यिक आ बौद्धिक धरोहरक रूपमे अपन पूर्ण क्षमता प्राप्त करय, एहि लेल जरूरी अछि जे ई अधिकसँ अधिक लोक धरि सहज रूपमे पहुँचय। संविधानक आठम अनुसूचीमे शामिल सभ 22 भाषामे एहि ग्रंथक अनुवाद करबाक पहल एहि दिशा मे एकटा महत्वपूर्ण कदम अछि। एहि अनुवादक माध्यमसँ विभिन्न पृष्ठभूमिक छात्र आ पाठक सीधे तिरुवल्लुवरक विचारसँ जुड़ि सकताह।

एहि संदर्भमे अनुवाद सांस्कृतिक आदान-प्रदानक एकटा सशक्त माध्यम बनैत अछि। ई तमिल साहित्यिक परंपरासँ जुड़ल ग्रंथकेँ नैतिकता, मानवीय मूल्य आ नागरिक जिम्मेदारीसँ संबंधित व्यापक राष्ट्रीय विमर्शक हिस्सा बनबैत अछि। बहुभाषिक पहुँच, अकादमिक सहभागिता आ डिजिटल शिक्षा माध्यमसँ ‘काशी तमिल संगमम 5.0’ एहि कालजयी रचनाकेँ देशक नव पीढ़ी धरि पहुँचयबाक लक्ष्य रखैत अछि।

सभ्यतागत संबंधक पुनर्स्मरण

काशी आ तमिलनाडूक ई संगम भारतक सांस्कृतिक पहिचानक व्यापक संदेश सेहो अभिव्यक्त करैत अछि। भारतीय सभ्यताक विकास सदियोंसँ विभिन्न क्षेत्रक बीच लोक, विचार, ज्ञान आ परंपराक निरंतर आदान-प्रदानक माध्यमसँ भेल अछि। एहि सभ्यताक वास्तविक शक्ति एकरूपतामे नहि, बल्कि विभिन्न भाषा, समुदाय आ बौद्धिक परंपराक सह-अस्तित्व, आपसी संवाद आ समन्वयमे निहित अछि।

काशी तमिल संगमम एहि सांस्कृतिक भावनाकेँ छात्र, शिक्षक, विद्वान आ कला-संस्कृतिसँ जुड़ल लोकक बीच संवाद आ सहभागिताक माध्यमसँ साकार करैत अछि। राष्ट्रीय एकता तखने सार्थक बनैत अछि, जखन देशक विभिन्न भागक लोक एक-दोसरक इतिहास, विरासत आ सांस्कृतिक योगदानकेँ बुझथि आ ओकर सम्मान करथि।

एहन सांस्कृतिक आदान-प्रदान आपसी आत्मीयता, अपनत्व आ एकताक भावनाकेँ मजबूत करैत अछि। ई जुड़ाव भाषाई आ भौगोलिक सीमासँ ऊपर उठि भारतीयताक साझा पहचानकेँ अधिक सुदृढ़ बनबैत अछि।

अतीतक ज्ञानकेँ भविष्यक पीढ़ी धरि पहुँचेनाइ

कोनो सभ्यता अपन विरासतकेँ तखने जीवंत आ संरक्षित राखि सकैत अछि, जखन प्रत्येक पीढ़ी ओकरासँ नव रूपमे जुड़ैत अछि आ अपन समयक संदर्भमे ओकर अर्थ बुझैत अछि। काशी तमिल संगमम 5.0 नव पीढ़ी धरि तिरुक्कुरलक ज्ञान आ जीवन-दर्शन पहुँचयबाक एकटा महत्वपूर्ण अवसर प्रदान करैत अछि। एहि पहलकेँ उद्देश्य युवासभकेँ एहि महान ग्रंथमे निहित विचार पर चिंतन करबाक आ दैनिक जीवनमे ओकर प्रासंगिकता बुझबाक लेल प्रेरित करब अछि।

वास्तवमे, काशी आ तमिलनाडूक ई मिलन केवल दू क्षेत्रक सांस्कृतिक विरासतकेँ उत्सव मनयबाक आयोजन नहि, बल्कि भारतक सभ्यतागत निरंतरताक पुनर्पुष्टि सेहो अछि। ई एहि तथ्यकेँ रेखांकित करैत अछि जे हमर विविध परंपरा साझा जीवन-मूल्य, सामूहिक सांस्कृतिक स्मृति आ ज्ञानक निरंतर खोजक सूत्रसँ एक-दोसरासँ जुड़ल अछि। एहि साझा विरासत पर भारतक सांस्कृतिक एकता आ सभ्यतागत पहिचान आधारित अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *