भाषा आ संस्कृति कोनो दलक जागीर नहि, समाजक साझा धरोहर अछि; विद्यापति स्मृति पर्वक आमंत्रण पत्र मे बुराड़ी विधायक संजीव झाक नाम नहि रहब उठबैत अछि सवाल
New Delhi : मैथिली भाषा आ संस्कृति कोनो राजनीतिक दलक जागीर नहि अछि। ई समूचा समाजक साझी धरोहर अछि। मुदा बुराड़ी मे 22 नवंबर केँ आयोजित होएबला ‘विद्यापति स्मृति पर्व समारोह-2026’ केर आमंत्रण पत्र देखि लगैत अछि जे आयोजक सभ एहि साझा विरासत केँ सेहो राजनीतिक चश्मासँ देखबाक प्रयास कएने छथि।
मैथिली भाषा, लोककला आ कवि कोकिल विद्यापति केर स्मृति केँ समर्पित ई आयोजन बुराड़ी विधानसभा क्षेत्र मे भऽ रहल अछि। परंपरा आ शिष्टाचार दुनूक मांग अछि जे क्षेत्रक निर्वाचित विधायक केँ सम्मानपूर्वक आमंत्रित कएल जाए आ अतिथि सूची मे उचित स्थान देल जाए। मुदा आश्चर्यजनक रूप सँ आमंत्रण पत्र मे मुख्य अतिथि रूप मे सांसद मनोज तिवारी आ दिल्ली विधानसभा सदस्य अभय वर्मा केर नाम अंकित अछि। अतिविशिष्ट अतिथि सभक लंबा सूची मे निगम पार्षद, पूर्व विधायक प्रत्याशी आ विभिन्न राजनीतिक दलक नेता सभक नाम सेहो शामिल अछि। मुदा बुराड़ीक विधायक संजीव झा केर नाम कतहु नहि अछि।
एहि स्थिति मे सवाल उठैत अछि जे जखन एकटा दलक सांसद आ विधायक केँ सम्मानित कएल जा सकैत अछि, तँ दोसर दलक विधायक केँ आमंत्रण सूचीसँ बाहर रखबाक कारण की अछि? ई चूक अनजाने मे भेल बुझाइत नहि अछि। एहि सँ एहन संदेश जाइत अछि जे आयोजन मे मैथिलीक सम्मान आ सांस्कृतिक एकता सँ बेसी दलगत समीकरण केँ प्राथमिकता देल गेल अछि।
संजीव झा केर मैथिली समाजसँ जुड़ाव सेहो कोनो छिपल तथ्य नहि अछि। दिल्ली मे मैथिली पत्रकार द्वारा आयोजित मैथिली भाषा संबंधी विभिन्न कार्यक्रम सभमे ओ शामिल होइत रहल छथि। अपन क्षेत्रक मैथिल लोकसभक सहायता सेहो करैत छथि। संजीव झा दिल्लीक मैथिली-भोजपुरी अकादमी केर उपाध्यक्ष सेहो रहि चुकल छथि। भाषा संरक्षण आ संवर्धनसँ जुड़ल मंच सभसँ हुनकर सीधा संबंध रहल अछि। एहन जनप्रतिनिधिक उपेक्षा आयोजक सभक मंशा पर सवाल उठबैत अछि।
महाकवि विद्यापति अपन रचनासभक माध्यम सँ भेदभाव नहि, बल्कि प्रेम, मिठास, समरसता आ मानवीय संवेदनाक संदेश देलनि। हुनकर स्मृति मे आयोजित कार्यक्रम मे दलगत संकीर्णताक प्रवेश हुनकर विरासत संग अन्याय अछि।
आयोजक सभकेँ आत्मचिंतन करबाक चाही आ ई बुझबाक चाही जे मंच जतेक समावेशी होएत, मैथिली ओतेबे मजबूत होएत। राजनीति सँ ऊपर उठि सभकेँ संग लऽ चलबए मे भाषा-सेवाक वास्तविक भावना निहित अछि।
अन्यथा ‘सेवा, शिक्षा, स्वाभिमान’ जकाँ नारा केवल आमंत्रण पत्रक शोभा बनि रहि जाएत आ मैथिली एकता आ सम्मानक मूल भावना पाछू छूटि जाएत।
