
महिला डेयरी किसान सभक स्वामित्व, नेतृत्व आ आर्थिक सशक्तीकरण लेल कएल जा रहल प्रयास केँ भेटल वैश्विक पहचान
नई दिल्ली। राष्ट्रीय डेरी विकास बोर्ड (एनडीडीबी) केर पूर्ण स्वामित्ववाली सहायक संस्था एनडीडीबी डेयरी सर्विसेज (एनडीएस) केँ इंटरनेशनल डेयरी फेडरेशन (आईडीएफ) डेयरी इनोवेशन अवॉर्ड्स 2026 मे दूटा प्रतिष्ठित अंतरराष्ट्रीय पुरस्कार भेटल अछि। ई सम्मान एनडीएस केर पहल ‘Women Own. Women Lead. Women Prosper: From Oblivium to Recognition’ लेल प्रदान कएल गेल। पुरस्कार समारोह 16 नवंबर 2026 केँ न्यूजीलैंडक ऑकलैंड मे आयोजित भेल।
ई पुरस्कार एनडीडीबी आ एनडीएस केर अध्यक्ष डॉ. मीनेश शाह प्राप्त कएलनि। एहि अवसर पर भारत सरकारक पशुपालन एवं डेयरी विभागक सचिव श्री नरेश पाल गंगवार, एनडीडीबी डेयरी सर्विसेज केर प्रबंध निदेशक डॉ. सी. पी. देवानंद आ विभिन्न मिल्क प्रोड्यूसर ऑर्गनाइजेशन्स (एमपीओ) केर महिला बोर्ड सदस्य सेहो उपस्थित रहलीह।
एहि उपलब्धि पर एनडीडीबी केर अध्यक्ष डॉ. मीनेश शाह कहलनि जे, “ई सम्मान लाखों महिला डेयरी किसान सभक अछि, जिनकर बढ़ैत स्वामित्व, नेतृत्व आ उद्यमशीलता डेयरी क्षेत्र मे सकारात्मक बदलाव आन रहल अछि। किसान स्वामित्ववाली संस्थामे महिलाक बढ़ैत भागीदारी एहि बातक प्रमाण अछि जे महिला नेतृत्व ग्रामीण आजीविका केँ सशक्त बनाबय आ टिकाऊ डेयरी क्षेत्रक निर्माण मे महत्वपूर्ण भूमिका निभा सकैत अछि।”
एनडीएस केँ ‘Innovation in Inclusion and Women’s Empowerment in Dairy’ श्रेणी मे महिला नेतृत्ववला एमपीओ मॉडल लेल सम्मानित कएल गेल। एहि मॉडलक माध्यम सँ ग्रामीण महिला डेयरी किसान सभकेँ डेयरी क्षेत्र मे शेयरधारक, उद्यमी आ नेतृत्वकर्ता बनबाक अवसर भेट रहल अछि। एहि श्रेणी मे डैनोन एसए आ एबॉट जकाँ प्रतिष्ठित वैश्विक संस्थासभ सेहो अपन नवाचार प्रस्तुत कएने छल।
एहि संग एनडीएस केँ एहि वर्ष पहिल बेर शुरू कएल गेल ‘Judges’ Choice Award’ सेहो प्रदान कएल गेल। विशेषज्ञ निर्णायक मंडल द्वारा देल जाए वाला ई पुरस्कार कोनो पहल केर समग्र उत्कृष्टता, दूरदर्शिता, नवाचार, प्रभाव, विस्तारक संभावना आ वैश्विक डेयरी क्षेत्र केँ प्रेरित करबाक क्षमता केँ मान्यता दैत अछि।
23 देशसभ सँ प्राप्त 182 प्रविष्टि मे सँ चयनित ई दुनू पुरस्कार समावेशी, महिला नेतृत्ववला आ किसान स्वामित्ववला डेयरी व्यवस्था विकसित करबाक दिशा मे एनडीएस केर योगदानक अंतरराष्ट्रीय पहचान अछि।
एनडीएस केर एहि पहल सँ ग्रामीण महिला सभक डेयरी क्षेत्र मे भूमिका केँ नव दिशा भेट रहल अछि। आब महिला डेयरी किसान केवल दूध उत्पादन तक सीमित नहि रहि, बल्कि उत्पादक संस्थामे स्वामित्व आ नेतृत्वक जिम्मेदारी सेहो उठा रहल छथि। शेयरधारकक रूप मे ओ संस्थाक संचालन, निर्णय प्रक्रिया आ उद्यम प्रबंधन मे सक्रिय भागीदारी निभा रहल छथि। एहि सँ हुनकर आर्थिक भागीदारी, उद्यमशीलता क्षमता आ जमीनी स्तर पर महिला नेतृत्व मजबूत भऽ रहल अछि।
वर्तमान मे एनडीएस देशक 15 राज्य मे 25 मिल्क प्रोड्यूसर ऑर्गनाइजेशन्स (एमपीओ) केर माध्यम सँ 15 लाख सँ बेसी डेयरी किसान सभक संग काज कऽ रहल अछि।
एनडीएस केर ई प्रयास श्वेत क्रांति 2.0 केर व्यापक दृष्टिकोणक अनुरूप अछि। एहि अभियानक उद्देश्य डेयरी सहकारी संस्था आ उत्पादक संगठन सभकेँ सशक्त बनायब, संगठित डेयरी क्षेत्रक विस्तार करब आ महिला डेयरी किसान सभकेँ विकासक मुख्यधारा मे अधिक प्रभावी भूमिका देब अछि।